आमने-सामने नीतीश आओर चिराग पासवान, नीतीशक दलित प्रेम पर चिरागक निशाना

0
682

दिल्ली, मिथिला मिररः लोक जनशक्ति पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष चिराग पासवाल एक बेर पुनः बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर निशाना सधलनि। किछु दिन पूर्व बिहारक मुख्यमंत्री एकटा घोषणा कएलनि जे आब जऽ कोनो दलित परिवारक व्यक्ति हत्या हेतनि तऽ पीड़ित परिवार केँ एकटा सदस्य केँ सरकारी नौकरी देल जाएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक एहिल निर्णय पर चारूदिस बबाल शुरू भए गेल अछि। नीतीश कुमारक एहि फैसलाक आलोचना बिहारक पड़ोसी राज्य उत्तर प्रदेश सऽ शुरू भेल। बसपा अध्यक्ष आ उत्तर प्रदेशक पूर्व मुख्यमंत्री मायावती एहि निर्णय पर नीतीश कुमारक जमिकऽ आलोचना कएलनि। मुदा एहि बेर आलोचना नीतीश केँ राजग केँ भीतर सऽ भेट रहलनि अछि। लोक जनशक्ति पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष चिराग पासवान मुख्यमंत्री नतीश कुमारक एहि निर्णय सऽ संतुष्ट नहि छथि आ ओ मुख्यमंत्रीक आलोचना कएलनि।
चिराग पासवान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ एकटा पत्र लिख बहुत रास सवाल उठौलनि। चिराग पासवान कहला जे जऽ ई चुनावी फैसला नहि अछि तऽ बीतल पंद्रह बरख मे जतेक दलितक हत्या भेल अछि हुनका परिजन केँ सरकारी नौकरी देल जाए। चिराग पासवान कहला जे वर्तमान सरकार घोषणा कएने छल जे अनुसूचित जाति एंव जनजाति परिवार केँ सरकार तीन डिसमिल जमीन देत मुदा ओहो ठाम सऽ उक्त समाज केँ निराशा हाथ लागत अछि। चिराग आगू लिखलाह जे हत्या एकटा जघन्य अपराध थिक आ अपराधी केँ एहि बातक डर होएबाक चाही जे शासन-प्रशासन सजग अछि जाहि सऽ एहन तरहक वारदात नहि कएल जाए। सरकार केँ एहि दिशा मे काज करबाक चाही जाहि सऽ नहि सिर्फ अनूसचितजाति-जनजाति बल्कि कोनो समाजक लोक केँ हत्या सन जुर्मक साक्षी नहि बनए पड़ए।
एहि मुद्दा पर मायावती, चिराग पासवानक अलावे नेता विपक्ष तेजस्वी यादव सेहो नीतीश कुमार पर हमला कएलनि। बकौल तेजस्वी, मुख्यमंत्री मृत्यु पर राजनीति कए रहला अछि आ दलित हत्या तक केँ वोट लेल उपयोग कए रहल छथि, जे कोनो भी प्रकार सऽ उचित नहि अछि।