मुजफ्फरपुर मे सीसीटीवी कैमरा वला ‘लो फ्लोर’ नगर बस सेवा कैल्ह सँ

    0
    308

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर मे सीसीटीवी कैमरा वला ‘लो फ्लोर’ नगर बसक शुभारंभ मंगल दिन परिवहन मंत्री द्वारा कायल जायत। अहि मौका पर विभागक प्रधान सचिव, प्रमंडल एवं जिलाक बहुतो वरिष्ठ एवं जनप्रतिनिधि मौजूद रहताह।

    जवाहर लाल नेहरू अरबन डेवलपमेंट योजना के तहत बिहार राज्य पथ परिवहन निगम के मुजफ्फरपुर प्रमंडलक अंतर्गत आबय वला मुजफ्फरपुर, सीतामढ़ी, वैशाली एवं मोतिहारी जिला मे 18 गोट बस सं शुरुआत कायल जा रहल अछि।

    25 जनवरी सं 40 और बसक परिचालन होयत। प्रमंडलीय प्रबंधक एसएन झा कहलनि जे, निगम द्वारा करीब 90 बसक परिचालन करबाक योजना अछि। यात्रीक सुविधा एवं सुरक्षाक लेल सीसीटीवी कैमरा लगाओल गेल अछि। ओ कहलनि जे, अहि बसक किराया सेहो काम रहत जाहि सं यात्री के सहूलियत हेतनि।