सपना देखवाक हिम्मत राखी, सुहर्ष भगत यूपीएससी-2014 ‘पुरूष टाॅपर’

    0
    571

    दिल्ली-मिथिला मिरर न्यूज़ डेस्कः संघ लोक सेवा आयोग अर्थात (यूपीएससी) 2014केर परीक्षामे पुरूष वर्गमे टॉपर रहल आ ओना संपूर्ण भारतमे 5म स्थान लौनिहार आ मिथिलाक गौरव सुहर्ष भगत सं टीम मिथिला मिररक विशेष बातचीत। त आउ देखि कि छन्हि सुहर्ष भगत केर सफलताक मूल मंत्र आ आगामी दिनमे सुहर्ष कोन-कोन गतिविधिमे नजैर औताह। मिथिला-मैथिलीक प्रति हुनकर कि विचार छन्हि। पढ़ल जाउ बातचीतक किछु महत्वपूर्ण अंश।

    प्र. सुहर्ष जी, मिथिला मिरर मे अपने कें स्वागत अछि आ संगहि संपूर्ण मिथिलावासी कें छाती गर्व सं बढ़ेवाक लेल अपने कें बधाई।

    उ. अहांक बहुत-बहुत धन्यवाद आ समस्त शुभचिंतक कें हम सुहर्ष भगत प्रणाम करैत छियन्हि आ भगवान कें कोटि सह प्रणाम जे हमरा अहिठाम तक ऐवा मे मदद केलाह।

    प्र. सुहर्ष जी, सब सं पहिने अपने अपन छोट सन परिचय देल जाउ?
    उ. हमर घर समस्तीपुर मे अछि आ हमर पिता जी पेशा सं डाॅक्टर छैथ आ माता जी एकटा स्कूल चला रहली अछि। हमरा सं छोट भाई सर्जन अछि। हमर मैट्रिक तक कें पढ़ाई राम कृष्ण मिशन देवघर सं भेल ओ कें बाद हमर ग्यारहवीं आ बारहवीं तक कें पढ़ाई डीपीएस आर. के. पुरम दिल्ली सं केलौह। ओहि कें बाद हमर स्नातक आईआईटी बांम्बे सं 2010 मे भेल अछि केमिकल इंजीनियरिंग सं। स्नातक केलाक बाद हम लगातार सिविल सर्विसक परीक्षा द रहल छलौह। इ हमर चारिम बेर छल अहि सं पहिने हम आॅडिट एकाउंट सर्विस, इंफार्मेशन सर्विस आ इनकम टैक्स सर्विस मे ट्रेनिंग क चुकल छी। अहि सं पहिने हम तीन बेर पास क चुकल छी आ ओ हमर जे पोस्ट अछि जे बता देलौह। नागपुर मे एनएडीट मे ट्रेनिंग क रहल छलौह।
    प्र. आगा अहांक कि विचार अछि?
    उ. ट्रेनिंगक बाद हमरा जे जिम्मेदारी देल जायत हम ओकरा पूर्णतया निर्वहन करवाक कोशिश करब।
    प्र. होम कैडर कें विषय मे कि सोचैत छी अपने?
    उ. हमरा होम कैडर भेट जेवाक चाही आ ओ जौं भेट जायत त हमरा लेल बहुत नीक रहत। ओना हमरा सं बेसी रैंक वला कियो नहि छैथ ताहि लेल आशा अछि जे हमरा होम कैडर भेट जायत।
    प्र. मिथिलावासीक लेल कि कहय चाहब अपने?
    उ. मिथिलावासी कें समस्त नौजवान दोस्त जे सिविल सेवा सं जुड़ल छैथ हुनका सं कहबनि जे अपने सब सपना देखवाक ताकत राखी आ जौं कोनो अड़चल आवैत अछि त ओकरा सं डटि क लडि़ आ बाधा कें पर करी। निश्चित रूपहिं सफलता अहां कें भेटवे करत।
    प्र. अहांक सफलता मे किनकर सबहक योगदान छन्हि?
    उ. अहि मे सब सं पैघ योगदान हमर माता, पिताजी छलन्हि ओहिकें बाद हमर भाय सेहो हमरा बहुत बेसी सहयोग केलक। और सब सं पैघ हमर सहयोगी भगवान छथि जे हमरा अहिठामक तक अनलाह। हम बेसी सं बेसी तैयारी स्वयं सं केलौह आ दोस्त सबहक सेहो बहुत मदद रहल छल।
    प्र. गांव सं कतेक लगाव अछि?
    उ. एकरा हम शब्द मे नहि बता सकैत छी। गामक एक-एकटा याद सदिखन हमरा संग रहैत अछि आ हमहुं ओकरा जीवैत छी।
    मिथिला मिरर सं बात करवाक लेल बहुत-बहुत धन्यवाद आ एक बेर फेर सं समस्त मिथिलावासी आ मिथिला मिरर परिवार दिस सं अहांकें कोटि सह बधाई।
    अहुं आ मिथिला मिरर कें बहुत-बहुत धन्यवाद!

    फोन आधारित बातचीत मिथिला मिररक तत्कालीन सह-संपादक राहुल कुमार राय आ परिकल्पना संपादक मिथिला मिरर।