गंडक के दवाब नहि सहि सकल 37 करोड़ी बांध

    0
    290

    बगहा, मिथिला मिरर: बगहा जिला मे बाढ़िक पानि घुसला स लोक बहुत परेशानीक सामना करबा लेल मजबूर छठी। सूत्रक अनुसार धीरे-धीरे पानि बढ़ले जा रहल अछि, जाहि स लोक घर स बाहार सुरक्षित स्थान पर जा रहलाह।  शहर के बाढ़ि स बचेबाक लेल 37 करोड़ रुपैयाक लगत स  बनल सुरक्षा बांध मे पहिले साल मे कतेको ठाम दरार पड़ि गेल अछि।

    बांध मे पड़ल दरार स गंडक नदीक पानि शहर के कतेको वार्ड मे घुसि कय तबाही मचा रहल अछि। सुरक्षा के लेल बनल अहि बांध के दरकला स एक बेर फेर कटावक खतरा बढ़ि गेल अछि। बिहार सरकार के जल संसाधन मंत्री जहन 15 जून क बगहा पहुंचला त बांध निर्माण मे गड़बडी देखि कय अफसर तथा ठेकेदार के फटकार लगउने छला आ कार्रवाई के आदेश देने छलाह तथा बांधक सुरक्षा बढ़ेबाक निर्देश जारी केने छलाह, मुदा एखन धरि कोनो सुनवाई नहि भेल।