बिहार मे बिहारी के 80 प्रतिशत आरक्षण भेटबाक चाही: लालू यादव

    0
    306
    लालू यादव दोसर दिस आरएसएस तथा भाजपा पर निशाना साधैत आम लोक स अपील केला जे, यदि भाजपा तथा आरएसएस के कोनो नेता चमड़ाक जूता पहिरने देखाई त हल्ला करई जाऊ। लालू भाजपा नेता स मांग कयलनि जे ओ जे चमड़ाक जूता पहिरैत छथि, से कोन चमड़ाक छैक।लालू यादव आगू कहलनि जे गो मांस पर भाषण सिर्फ ओ दय रहल छथि जे स्वं जूता गायक चमड़ाक पहिर रहल छथि। राजद सुप्रीमो कहलनि जे, भाषण देब बला लोक पहिने चमड़ाक जूता पहिनाइ बंद करती। एहेन लोक वोटक लेल संप्रदायिकाताक जहर फैला रहल छथि। लालू यादव भाजपा कार्यकर्त्ता पर आरोप लगबैत कहलनि जे, भाजपा के लोक बिहार मे दलित पर हमला करवा रहल अछि, हमसब भाजपा के नेस्तोनाबुर करबाक लेल एकजुर भेलहू।