भारी बरखाक बीच पटना मे चलल वीआईपीक नाव, संतोष सहनी कहलनि- बिहार केँ चाही नव सोचक संग युवा जोश

0
798

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी घमासानक बीच मौसम सेहो करवट ल’ रहल अछि। पटना मे भ’ रहल बरखाक बीच  विकासशील इंसान पार्टी यानि वीआईपी द्वारा आई अपन चुनाव चिन्ह ‘नाव’ केँ प्रचार- प्रसार आ युवा लोकनि केँ बिहार बदलावक संदेश दैत पार्टीक युवा नेता संतोष सहनीक नेतृत्व मे एकटा शांति जुलूस निकालल गेल। ई शांति जुलूस यात्रा प्रधान कार्यालय पटना सँ चुनाव चिह्न नाव छाप ब्रांडिंग गाड़ी संगे सैकड़ो वाहनक संग भट्टाचार्य रोड, कदमकुआं, लोहानीपुर, राजेंद्र नगर पुल, मलाई पकरी सँ कॉमर्स कॉलेज, बहादुरपुर, राजेंद्र नगर स्टेडियम, मछुआ टोली,उपरी पीरबहोर, गांधी मैदान पटना राजापुर पुल होइत दीघा तक निकालल गेल। एहि जुलूस केँ रस्ता मे जगह-जगह भव्य स्वागत सेहो कएल गेल।

एहि मौका पर संतोष सहनी कहलनि जे आब बिहार केँ युवा नेतृत्व चाही, जे महागठबंधन टा द’ सकैत अछि। बिहार केँ एकटा एहन नेतृत्व चाही जे युवा लोकनि केँ रोजगार द’ सकै। संगे जिनका लग बिहार विकास लेल नव सपना आ दीर्घकालिक सोच होइन। एतबे नहि जे बिहारक लेल दिन राति काज क’ सकैथ। सहनी कहलनि जे बिहार केँ युवा सोचक संग युवा जोशक दरकार अछि, जे मात्र महागठबंधन पूरा क’ सकैत अछि। मुकेश सहनी बिहार लेल समर्पित नेता छथि संगे हुनका लग बिहारक विकास लेल नव संकल्पक संग नव सोच सेहो छनि। बिहारक जनता एनडीए सरकार सँ उबी चुकल अछि। बिहार परिवर्तनक भूमि थिक आ एहिबेर बिहार मे परिवर्तन भ’ क’ रहत।