वीआईपी मधुबनी आ ब्रह्मपुर समेत 11 सीट पर लड़त चुनाव, भाजपाक चुनाव चिन्ह पर लड़ताह सभ प्रत्याशी

0
2340

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी घमासानक बीच सीट बँटवाराक काज लगभग अंतिम चरण मे अछि। एहन मे महागठबंधन सँ राजग मे आयल विकासशील इंसान पार्टी यानि हम केँ भाजपा अपना कोटा सँ 11 सीट द’ देलक। जाहि केँ बाद पार्टी आब अधिकारिक रुपें एनडीएक हिस्सा भ’ गेल। एकर घोषणा बिहार भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष संजय जायसवाल  कहलनि जे भाजपा अपना कोटा सँ 11 सीट चुनाव लड़बाक लेल वीआईपी केँ आवंटित कएलक अछि आ एकटा विधान परिषदक सीट सेहो देल जायत। जायसवाल कहलनि जे सभ सीट पर मुकेश सहनीक प्रत्याशी भाजपाक चुनाव चिन्ह पर चुनाव लड़त। बतादी जे ज’ ई सभ चुनाव जीतबा मे सफल हेताह त’ तकनीकी तौर पर सभ भाजपाक विधायक कहल जेताह। यैह कारण अछि जे मुकेश सहनी खुद चुनाव नहि लड़ताह। भाजपा द्वारा वीआईपी केँ देल गेल सीट एहि प्रकार अछि-

1 ब्रह्मपुर
2 बोचहा
3 गौराबौड़म
4 सिमरी बख्तियारपुर
5 सुगौली
6 मधुबनी
7 केवटी
8 साहेबगंज
9 बलरामपुर
10 अली नगर
11 बनियापुर

मीडिया केँ संबोधित करैत संजय जायसवाल मुकेश सहनी केँ बिहारक करीब 40% अति पिछड़ा आबादीक नेता बतेलनि। जायसवाल महागठबंधन द्वारा मुकेश सहनी केँ अपमान करबाक बात करैत कहलनि जे जाहि तरहें महागठबंधन मे दलित आ अति पिछड़ा केँ हाशिया पर धकेलल गेल निश्चित रूप सँ मतदाता चुनाव मे एकर जबाब जरूर देत। यैह कारण अछि जे भाजपा आ एनडीए गठबंधन अति पिछड़ा केँ सम्मान दैत विकासशील इंसान पार्टी केँ अपना संग जोड़बाक काज कएलक।

एहि मौका पर मुकेश सहनी कहलनि जे महागठबंधन जाहि तरहें अपन घटक दल संगे बेरा-बेरी ठकबाक काज कएलक आबैई वला समय मे एकर परिणाम देखबा केँ जरूर भेटत। उप मुख्यमंत्री पदक सवाल पर सहनी कहलनि जे महागठबंधनक सरकार सहयोगी दलक सहयोग सँ बनितै तैं पदक माँग कएल गेल छल। मुदा राजग मे पहिने सँ सभ किछु स्पस्ट अछि त’ एहि पर कोनो बात नहि अछि। भाजपा आ एनडीए घाव पर मरहम लगेबाक काज कएलक अछि आ एतबे नहि चुनाव मे मोदीजी आ नीतीश जीक नेतृत्व मे चुनाव लड़ब आ एकबेर फेर सँ नीतीश कुमार केँ मुख्यमंत्री बनाओल जायत।  एनडीए मे वापसी पर कहलनि जे कोनो कारण सँ रस्ता भटकि गेल रही मुदा आब ख़ुशी अछि जे जतय सँ राजनीति शुरू केने रहि फेर ओतहि अपन घर मे आबि गेलहुँ।