सिमरी गोठ सँ 21 अक्टूबर कऽ लापता भेल प्रिंस कुमारक एखन धरि नहि चलल कोनो पता

0
234

मिथिला मिरर-स्नेहा झाः मधुबनी जिलाक राजनगर प्रखंडक सिमरी पंचायतक सिमरी गोठ टोल सँ प्रदीप गरेड़ीक तीन वर्षीय पुत्र प्रिंस कुमार 21 अक्टूबर कऽ सांझ करीब 6 बजे अचानक कतहु लापता भऽ गेल। घटनाक चारि दिनक बादो एखन धरि बच्चाक कोनो अता-पता नहि अछि। लगातार गाँव-समाजक लोक सभक द्वारा बच्चाक खोजबीन जारी अछि। राजनगर थाना सेहो लगातार अपन काज कऽ रहल अछि मुदा एखनो धरि बच्चाक कोनो खबरि हाथ नहि लागल अछि।
सभ सँ अहम बात ई जे एखन धरि कोनो फिरौतीक फोन सेहो पीड़ित परिजन तक नहि पहुँचल अछि। बच्चा नहि भेटला सँ बच्चाक परिजनक स्थिति लगातार खराब भेल जा रहल छैक। जँ किनको एहि बच्चाक कोनो खबरि हो तँ मिथिला मिररक हेल्पलाइन नंबर पर सूचना दऽ सकैत छी अथवा राजनगर थाना मे सेहो फोनक माध्यमे बताओल जा सकैत अछि।