दरभंगा मे घर घुसि दादी-पोताक नृसंस हत्या, धारदार हथियार सँ कयल गेल कतेको वार

0
205

मिथिला मिररः दरभंगा जिलाक बहेड़ी प्रखंडक सोनवा गाम सँ एकटा हृदय विदारक घटना सोंझा आबि रहल अछि। एहिठाम राति मे घर मे घुसि कऽ सूतल दादी आ पोताक नृसंस हत्याक घटना सँ पूरा इलाका सन्न अछि। कहल जा रहल अछि जे अपराधी देबार फांगि कऽ आंगन मे घुसल छल आ तकरा बाद घर मे सूतल दादी आ पोताक धारदार हथियार सँ हत्या कऽ फरार भऽ गेल। एहि बातक जानकारी तखन भेलैक जखन उक्त महिलाक पुत्र भोर मे घर पहुंचलाह आ दरबाजा खोलबाक लेल आग्रह कयलनि मुदा भीतर सँ कोनो प्रतिउत्तर नहि भेटलाक बाद अंदेशा बढ़ल। बाद मे बेटा द्वारा पड़ोसिया सभकेँ बजाओल गेल आ हुनका लोकनिक मदद सँ दरबाजा खोलल गेल मुदा तकरा बादक जे दृश्य छल ओ हृदय विदारक दृश्य सभक सोंझा आयल।
एहि घटना मे मृतिकाक पहिचान दिलीप सिंह माँ तारा देवी (75) आ पुत्र आर्दश कुमार सिंह (15) केर रूप मे भेल अछि। सूत्रक मानी तँ एहि घटनाक पाछाँ भूमि विवाद बताओल जा रहल अछि। दिलीप सिंह अपने इंटा व्यवसायी छथि आ पघारी मे हुनक इंटाक चिमनी छनि। सोनवा निवासी तेजनारायण सिंह दू गोट बेटा छनि जेठ दिलीप सिंह छथि जे इंट व्यवसायी छथि तँ दोसर पुत्र रामलाल सिंह दरभंगा स्थित हाउसिंग कालोनी मे सपरिवार रहि रहल छथि आ तंबाकूक थोक व्यवसायी छथि।
एहि घटनाक बाद पुलिस पड़ोसक फूलो सिंहक बेटा कंचन सिंह केँ हिरासत मे लऽ पूछताछ कऽ रहल अछि। घटनास्थल पर बिरौल डीएसपी मनीष चंद्र चैधरी, बहेड़ी थानाध्यक्ष आशुतोष कुमार झा सहित अन्य आला अधिकारी छानबीन मे जुटल छथि। अपराधी केँ पकड़बाक लेल डाॅग स्काॅड केँ सेहो मदद लेल जा रहल अछि।