कृषि बिलक विरोध मे सड़क पर अन्नदाता, बिहार सहित देश भरि मे किसानक हल्लाबोल

0
854

पटना/दिल्ली, मिथिला मिरर : संसदक दुनू सदन सँ हालहीं पास भेल तीनू कृषि विधेयक केँ ल’ विपक्ष संसद सँ सड़क धरि कोहराम मचेने अछि। एहि विधेयक केँ खिलाफ देशक तमाम किसान संगठन सड़क पर विरोध प्रदर्शन  क’ रहल अछि। एतबे नहि हरियाणा, पंजाब, राजस्थान, पश्चिमी उत्तरप्रदेश आ दक्षिण केँ किछु राज्य सहित बिहार मे सेहो एकर असर देखबाक भेटल। जनतब दी जे किसान संगठन 25 सितंबर केँ भारत बंदक आहूत केने छल। कांग्रेस शासित राज्य मे बंद केँ किछु व्यापक असर देखना गेल।

बिहार मे चुनाव अछि, लिहाजा विपक्ष एकरा चुनावी मुद्दा बना देलक। आजुक बंद केँ सफल बनेबा लेल जाप, राजद, वामदल समेत कांग्रेस पार्टीक नेता आ कार्यकर्ता तक सड़क पर उतरल छलाह। जानकारी केँ मुताबिक आजुक बंद लेल देशक करीब 31टा किसान संगठन आह्वान केने छल।

बिहार मे बंद किछु हद धरि सफल कहल जा सकैत अछि। राजधानी पटना मे राजद नेता तेजस्वी यादव, जाप अध्यक्ष पप्पू यादव समेत अन्य विरोधी दलक नेता सभ सड़क पर देखना गेलाह। भेट रहल जानकरी केँ मुताबिक रेल सेवा तक प्रभावित करबाक कोशिश भेल।  एतबे नहि खबरि अछि जे भाजपाक प्रदेश कार्यालय लग जाप कार्यकर्ता आ भाजपा कार्यकर्ता लोकनिक बीच लाठी तक चलल। हालाँकि एही घटना मे कोनो तरहक नुकसान केँ खबरि अखनि धरि प्राप्त नहि भेल अछि।

ओतहि तेजस्वी यादव ट्रेक्टर ल’ सड़क पर देखना गेलाह आ ओही ट्रेक्टरक छज्जा पर तेजप्रताप सेहो बैसल छलाह। पप्पू यादव सेहो ट्रेक्टर मार्च निकाली किसान सभक संग विरोध प्रदर्शन कएलाह। ओठी दरभंगा मे महिस पर चढ़ी क’ विरोध कएल गेल।

एहि बंद केँ दौरान तेजस्वी सरकार पर हमला करैत कहलाह जे किसान केँ सरकार फण्डदाताक हाथक कठपुतली बनाबै जा रहल अछि। ई बिल किसान विरोधी अछि। किसान केँ आओर गरीब बनेबाक तैयारी मे लागल अछि मोदी सरकार।

कांग्रेस सहित तमाम विपक्षी दल आजुक बंद केँ समर्थन कएलनि। कांग्रेस नेता प्रधानमंत्री मोदी पर हमला करैत कहलनि जे बिल किसान संग छलावा अछि। ई बिल ईस्ट इंडिया कंपनी राजक याद दिया देलक।  हम सभ एहन अन्याय नहि होमय देब। सरकार जाबे तक बिल वापिस नहि लेत विरोध जारी रहत।