चुनाव सँ पहिने बिखरी जायत महागठबंधनक कुनबा, नहि अछि कोनो जनाधार : रामेश्वर चौरसिया

0
503

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी गहमागहमीक बीच लगातार आरोप-प्रत्यारोपक धार सेहो तेज भेल जा रहल अछि। राज्यक दुनू प्रमुख गठबंधन मे वार पलटवार शुरू भ’ चुकल अछि। राजद केँ तरफ सँ एनडीए सरकार पर भ्रष्टाचारी सरकार हेबाक आरोप पर भाजपा पलटवार कएलक अछि।  भाजपा नेता आ नोखा केँ पूर्व विधायक रामेश्वर चौरसिया बयान देलनि अछि। चौरसिया कहलनि जे बिहार मे होई वला चुनाव सँ पहिने महागठबंधनक कुनबा बिखरी जायत। राजद मे सेहो बिखराब निश्चित अछि। चौरसिया कहलनि अछि जे जाहि तरहेँ अपन घटक दल संग राजद व्यवहार क’ रहल अछि आबय वला दू-चारि दिन मे घटक दल जल्दिए कोनो ठोस निर्णय करय जा रहल अछि।

रोहतास के दौरा पर आयल रामेश्वर चौराशिया कहलनि जे जिनकर माई बापक शासन मे भ्रष्टाचार केँ जन्म भेल ओ दोसर पर कोना आरोप लगा सकैत अछि। तेजस्वी पर हमला करैत हुनका भ्रष्टाचारक राजकुमार तक कहि देलाह। चौरसिया कहलनि विपक्ष केँ कोनो जनाधार नहि छनि। जमीन पर कोनो हवा नै छैक। लोक सभ मूड बना लेने अछि। एकबेर फेर सँ नीतीश कुमार केँ अगुवाई मे बिहार मे सरकार बनत। जहाँ धरि एनडीएक घटक दलक सवाल अछि कोनो तरहक मतभेद नहि अछि आ ससमय सीटक बँटवारा भ’ जायत।  महागठबंधन सँ घटक दल जल्दिए टूटी जायत आ संभव अछि ओ सभ एनडीएक हिस्सा बनि सकैत छथि। एतबे नहि राजद खुद नेतृत्वविहीन अछि। एहन मे ओ कोना महागठबंधन केँ नेतृत्व द’ सकैत अछि।