महागठबंधन मे सीट बँटवारा पर लागल ग्रहण, भाकपा माले माँगलक 53 सीट

0
588

पटना, मिथिला मिरर :   बिहार मे विधानसभा चुनाव केँ ल’ राजनीतिक गहमागहमी बहुत बढ़ी चुकल अछि। हरेक दल अपना-अपना हिसाब सँ राजनीतिक समीकरण बनेबा मे लागल  अछि। बिहार मे मुख्य लड़ाई दुनू गठबंधनक बीच होमय जा रहल अछि। दुनू गठबंधन मे एकटा बात देखना जा रहल अछि जे छोट दलक महत्वाकांक्षा बेसी छनि। लिहाजा सीट  बँटवारा मे दिक्कत भेनाई निश्चित अछि। जहाँ तक एनडीए केँ सवाल अछि सीट बँटवारा पर पेंच बेसी नै अछि। मुदा महागठबंधन मे सीट केँ ल’ बहुत उहापोहक स्थिति बनल अछि। नतीजा कांग्रेस अपन तैयारी मे जुटल अछि। अंदरूनी रूप सँ राजद अपन तैयारी पक्का क’ लेलक अछि। रालोसपा आ वीआईपी सँ अखनि धरि सीट केँ ल’ कोनो स्तर केँ बातचीत तक ननहि कएल गेल अछि।

हालही महागठबंधन मे शामिल वामदल एकटा नया ताल ठोकी देलक अछि। एतबे नहि दोसर घटक दल सभक सेहो सुर बदलल जा रहल अछि। ताजा मामला वाम दलक अछि। राजद आ वाम दलक बीच सीट बँटवारा पर मतभेद सामने आबि रहल अछि। भेट रहल जानकारी केँ मुताबिक वाम दल चुनाव लड़बाक लेल 53टा सीटक माँग कएलक अछि। तकरा बाद सँ महागठबंधन मे खलबली मचि गेल अछि।

महागठबंधनक सभ दलक बीच आपसी तालमेलक भारी कमी देखना जा रहल अछि। सूत्र केँ मानी त’ माकुल सीट नहि भेटवा पर वामदल चुनाव अलग लड़बाक फैसला सेहो क’ सकैत अछि। खबरि एतय धरि अछि जे वामदल अपन पसंद केँ 53 सीटक लिस्ट तक राजद केँ द’ देने अछि। हालाँकि राजद एही पर तैयार नहि अछि आ देल गेल सूची मे सँ मात्र किछु सीट वामदल के देल जा सकैत अछि। आब देखबाक बात ई होयत जे महागठबंधन मे सीटक बँटवारा कोन आधार पर होयत आ कोन दल संग रहत आ केँ छोड़ी क’ जायत।