भारत-नेपाल सीमा पर पकड़ल गेल 6 करोड़ रुपैयाक चरस

    0
    260

    बेतिया, मिथिला मिरर: बिहार-नेपाल सीमा पर ड्रग्स के तस्करीक खेल बदस्तूर जारी अछि। शुक्रदिन देर राति एसएसबीक 44’म बटालियन बेतिया जिलाक सीमा पर चरस के पैघ खेप बरामद केलक अछि।एसएसबी के जवान के गुप्त सूचना भेटल छल जे, भारत-नेपाल बॉर्डर स तस्कर चरस के खेपक तस्करी करय वला अछि। सूचना के बाद सीमा पर चौकसी बढ़ा देल गेल। अहि दौरान तस्कर के एसएसबी’क तैनाती के भनक लागि गेल त ओ चरस के खेप के छोड़ि कय फरार भय गेल।

    एसएसबीक टीम भारत-नेपाल बॉर्डर स्थित इनरवा बीओपी पिलर संख्या 419/22 के समीप स 41 किलो नेपाली चरस जब्त केलक। 44’म वाहिनी के सेनानानायक राजेश टिक्कू के अनुसार एसएसबी’क कार्रवाई के दौरान तस्कर चरस छोड़ि कय नेपाल भागि गेल।

    जब्त चरस कस्टम के सौपि देल गेल अछि। चरसक अंतरराष्ट्रीय बाजार मे कीमत छह करोड़ पंद्रह लाख रुपैया बताओल जा रहल अछि।