मधुबनी मे 800 बोतल शराबक संग तस्कर गिरफ्तार

    0
    263

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के हरलाखी मे भारत-नेपाल सीमाक पिपरौन स 800 बोतल नेपाली शराबक संग एकटा तस्कर गिरफ्तार भेल अछि। जानकारी के अनुसार पिपरौन बार्डर पर एसएसबी जवान द्वारा विशेष गश्त अभियानक दौरान नेपाल स तस्कर नेपाली शराब लय भारत मे प्रवेश कय रहल छल, जकरा जवान तलाशी के दौरान शराबक संग गिरफ्तार केलक अछि।

    पकड़ल गेल तस्करक पहचान हरलाखी के पिपरौन गाम निवासी रमेश राम के रूप मे कायल गेल अछि। जानकारी दैट पिपरौन कैंपक कंपनी इंचार्ज, राजकिरण कहलनि जे, जहन हमार जवान सीमा पर गश्त कय रहल छल, तहने सब तस्कर नेपाल स भारत मे शराब लय प्रवेश केलक आ जहन एसएसबी के देखलक त अन्य तस्कर शराब के सीमा पर फेंक नेपाल मे प्रवेश कय गेल।

    हालांकि एक टा तस्कर के गिरफ्तार कायल गेल अछि। ओ कहलनि जे, जब्त शराब व गिरफ्तार तस्कर के मधुबनी उत्पाद विभागक हवाले कय देल गेल अछि।