अगिलग्गीकें बाद पीड़ित परिवार सं भेंट करबाक लेल पहुँचलाह भाजपा प्रदेश उपाध्यक्ष गोपालजी ठाकुर

    0
    272
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक बेनीपुर विधानसभाक कल्याणपुर गाममे अगिलग्गीमे पीड़ित परिवार सं भेंट करबाक लेल पहुँचलाह पूर्व विधायक सह बिहार भाजपा प्रदेश उपाध्यक्ष गोपालजी ठाकुर। अहि दौरान ठाकुर मुआवजा सं वंचित परिवारकें शीघ्र मुआवजा दिएबाक लेल बेनीपुर अनुमंडलाधिकारी सं बात कय जल्दी मुआवजा दिएबाक आश्वासन देलनि।
    मुआवजा सं वंचित परिवारमे रमाशीश यादव, बेचन मुखिया, पवन मुखिया, रामबाबू यादव, रामउदय मुखिया, हरेराम यादव, राम कुमार यादव आदि लोककें एखन धरि मुआवजा नहि भेटल अछि। ठकुरकें संग पूर्व जिला पार्षद हेमन्त कुमार झा, मुनीन्द्र यादव, राम कुमार यादव आदि मौजूद छलाह।