नहि रहला पूर्व केन्द्रीय मंत्री रघुवंश बाबू, दिल्लीक एम्स मे लेलनि अंतिम साँस

0
925

नई दिल्ली, मिथिला मिररः पूर्व ग्रामीण विकास मंत्री आ कद्दावर नेता रघुवंश प्रसाद सिंह उर्फ रघुवंश बाबू नहि रहला। रघुवंश बाबू करोना सऽ संक्रमित भेलाह ओकरा बाद हुनका अखिल भारतीय अर्युविज्ञान संस्थान (एम्स) मे भर्ती कराओल गेलनि। रघुवंश बाबू कोरोना सऽ जीत गेल छलाह मुदा ओकरा बाद फेर हुनकर तबीयत गड़बड़ होमए लगलनि आ ओकरा बाद हुनका जीवन रक्षक उपकरण पर राखल गेल छलनि मुदा डाॅक्टर अथक प्रयास सऽ हुनका नहि बाचाओल जा सकल। अंनतः रविदिन, 13 सितंबर 2020क 74 वर्षक उम्रम े अंतिम सास लेलनि।
रघुवंश बाबू एकटा कद्दावर नेताक संग-संग मिलनसार व्यक्ति सेहो छलाह। जखन यूपीए-1 सरकार मे रघुवंश बाबू ग्रामीण विकास मंत्रीक पद पर छलाह तखन हुनके अथक प्रयास सऽ नरेगा (मनरेगा) योजना लागू कराओल गेल छल। संप्रग सरकारक वित्त मंत्री, योजना आयोगक उपाध्यक्ष मोंटेग सिंह अहलूवालिया सहितऽ कतेको लोक रघुवंश बाबूक खिलाफ छल मुदा ओ अपन निश्चिय पर अडिग रहलाह आओर नरेगा लागू भेल आ देशक बड़का जनसंख्या केँ 100 दिनक रोजगार गायरंटी योजना भेटल।
जाहि तरहेँ रघुवंश बाबू केँ राजद सऽ उपेक्षित राखल जा रहल छल ओहि सऽ ओ मर्माहत भए गेल छलाह। एम्स सऽ रिम्स मे राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव केँ हस्त लिखित चिट्ठी मे हुनकर दर्द स्पष्ट झलकि रहल छलनि। हलांकि ओहि पत्रक उत्तर मे लालू यादव एकटा पत्र लिख कहने छलाह जे अहाँ कतऽहु नहि जा रहल छी। मुदा तकरा बाद राजद द्वारा जारी पोस्टर सऽ रघुवंश बाबू केँ दूर राखल गेल। कथित रूप सऽ कहल जा रहल अछि जे ई सदमा हुनका बर्दाश्त नहि भेलनि। हालांकि लालू प्रसाद यादवक जेठ पुत्र तेजप्रताप यादव मीडिया मे एक बेर बयान दए चुकल छलाह जे पार्टी समुद्र थिक आ ओहि मे सऽ एक चम्मच पानि निकऽलि गेलाह सऽ कोनो फर्क नहि पड़ैत छैक।