रेलवे’क डॉक्टर के घूस लैत गिरफ्तार केलक सीबीआई

    0
    230

    पटना, मिथिला मिरर: सीबीआई’क टीम शुक्रदिन दानापुर रेल मंडल के वरीय सर्जन डॉक्टर उमेश कुमार के रिश्वत लैत गिरफ्तार केलक अछि। सूत्रक अनुसार सीबीआई डॉक्टर के घर छापेमारी कय डॉक्टर के रंगल हाथ रिश्वत लैत गिरफ्तार केलक अछि। छापेमारी के दौरान टीम डॉक्टर के 20,000 रुपए घूस लैत पकड़लक अछि।

    सीबीआई सात घंटा सं डॉक्टरक घर के तलाशी लय रहल छल। सीबीआईक छापेमारी स डॉक्टर उमेश के सीना मे दर्द शुरू भय गेल अछि, जाहि कारने डॉक्टर के रेलवे अस्पतालक आईसीयू मे भर्ती करोल गेल अछि। डॉक्टरक आवास दानापुर के रेलवे मेडिकल कॉलोनी इलाका मे अछि।

    जानकारी के मुताबिक सीबीआई के शिकायत भेटल छल जे, डॉक्टर इलाज स लय क मेडिकल सर्टिफिकेट लेबा तक मे रिश्वत लैत अछि। सूचना के बाद सीबाआई ई कार्रवाई केने छल।