बेनीपुर मे खुजत पॉलीटेक्निक कॉलेज : अब्दुलबारी सिद्धीकी

    0
    283

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार के वित्त मंत्री अब्दुलबारी सिद्धीकी कहलनि जे, बेनीपुर मे पालीटेक्निक कॉलेजक स्थापना कायल जायत। अहि के लेल स्थानीय पदाधिकारी के जमीन चयन करबाक निर्देश देल गेल अछि। ओ शुक्रदिन क्षेत्रक कोठबन्ना गाम मे वरिष्ठ समाजसेवी ईशा साहेबक निधन के मौक़ा पर शोक संवेदना व्यक्त करबाक बाद पत्रकार के संबोधित कय रहल छलाह।

    ओ कहलनि जे, सरकार बेनीपुर स्थित बाबा नागार्जुन स्टेडियमक मरम्मत के लेल खेल विभाग के 45 लाख रुपैया उपलब्ध कराओत। पथ निर्माण विभागक दिस सं अलीनगर विधानसभा क्षेत्र मे 122 करोड़ रुपैयाक लागत स चारि टा सड़कक निर्माण करबाओल जायत।

    ओ कहलनि जे, सरस्वती पूजाक लय सरकार पूर्ण तरह सतर्क अछि। सरकार सब जिलाक जिला पदाधिकारी एवं एसपी के सरस्वती पूजाक लेल पूजा स्थल पर 50-50 लोकक समिति बनेबाक निर्देश देलक अछि। सिद्धीकी कहलनि जे, विकासक मामला मे कोनो तरहक राजनीति नहि हेबाक चाही, हम हमेशा स मिथिलांचलक विकासक लेल प्रयत्नशील रहलहुँ।