बिहार मे डॉक्टरक हड़ताल सं स्वास्थ्य व्यवस्था प्रभावित

    0
    269

    पटना, मिथिला मिरर: मोतिहारी, सहरसा, जोकीहाट, पटना सहित बिहार के विभिन्न क्षेत्र मे पिछला कैक दिन स डॉक्टरक खिलाफ बढ़ैत जुर्मक विरोध मे आय राज्य भरि मे डॉक्टरक हड़ताल सं आमजन के बहुत परेशानी के सामना कराय पड़लनि। लोक मरीजक संग भरि दिन एम्हर-उम्हर भटकैत रहल मुदा कतहु ईलाज नहि भेलनि।

    अस्पताल सं लय क निजी क्लिनिक तक बंद रहबाक कारने ईलाजक लेल लोक भटकैत रहल आ डॉक्टर स गुहार लगबैत रहल। मुदा डॉक्टर एकजुटता देखबैत सरकार स डॉक्टरक सुरक्षा सुनिश्चित करबाक मांग केलनि। भोर मे दस बजे ज्यादातर डॉक्टर जुलुसक शक्ल मे सदर अस्पताल पहुँचलाह आ दिन भरि डटल रहलाह।हालांकि सदर अस्पताल मे आपातकालीन सेवा चालू रहबाक कारने लोक के थोड़ेक राहत जरूर भेटलनि।

    हड़ताल मे शामिल डॉक्टर लोकनि के कहब छलनि जे, आय त मात्र सांकेतिक हड़ताल छल, मुदा अहि के बाद दोषी के खिलाफ कार्रवाई नहि कायल जायत आ माहौल नहि सुधरत त अनिश्चितकालिन हड़ताल पर जेबाक विचार कायल जायत।