मधुबनी मे जिप शिक्षक नियोजनक लेल भेल काउंसलिंग

    0
    319

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जिला परिषद माध्यमिक व उच्चतर माध्यमिक शिक्षक नियोजन-2016’क लेल अंतिम मेधा सूची मे शामिल अभ्यर्थीक काउंसलिंग सोमदिन कायल गेल। काउंसलिंग जिला परिषद कार्यालय परिसर स्थित नव भवन मे भेल। सीसीटीवी व वीडियो कैमरा सं काउंसलिंग पर नजरि राखल गेल।

    माध्यमिक शिक्षक नियोजनक लेल तीन टेबल तथा उच्चतर माध्यमिक शिक्षक नियोजनक लेल चारि टेबलक व्यवस्था काउंसलिंग लेल कायल गेल छल। काउंसलिंग मे उमड़ल अभ्यर्थीक अनियंत्रित भीड़ के नियंत्रित करबाक लेल नगर थानाक पुलिस अवर निरीक्षक रामानंद तथा पुलिस बल, पैंथर मोबाइल, सैप जवानक संग जुटल रहल।

    उल्लेखनीय अछि जे, जिप शिक्षक नियोजन-2016 के तहत जिप माध्यमिक शिक्षकक 6 विषय मे कुल 218 रिक्त पद तथा जिप उच्चतर माध्यमिक शिक्षकक 16 विषय मे कुल 670 रिक्त पद पर नियोजनक लेल काउंसलिंग कायल गेल।गई