पूनम दास के मिथिला पेंटिंग’क लेल राष्ट्रीय पुरस्कार

    0
    345

    दिल्ली, मिथिला मिरर: अप्पन एकहि पेंटिंग मे रामायण आ महाभारत के सम्पूर्ण कहानी देखेबाक लेल पूर्वहि मे काफी चर्चित रहि चुकल पूनम दास के केंद्रीय वस्त्र मंत्रालय वर्ष 2015 के राष्ट्रीय पुरस्कार सं सम्मानित केलक अछि। मधुबनी जिलाक एकटा छोट गाम सं राष्ट्रपति भवन धरिक सफर के विषय मे पूनम कहै छथि जे, बचपन सं मधुबनी पेंटिंग के लेल घर मे सकारात्मक माहौल देखलहुँ जाहि कारण आय ई उपलब्धि हासिल भय सकल अछि।

    पूनम शुरुआत मे मधुबनी पेंटिंग घरक महिला सं सिखलनि, तहन उपेंद्र महारथी आ भास्कर कुलकर्णी मधुबनी एलाह आ कागज़ पर पेंटिंग बनेबाक लेल प्रेरित केलनि। ओहि सं बहुत प्रेरणा भेटल। ओ कागज दैथि आ हम सब ओहि पर पेंटिंग बना वापस करियनि। आय सं लगभग 40 वर्ष पहिने हमर बनोल पेंटिंग हार्डिंग पार्क मे लगाओल गेल छल। तहन सं दुनियाँक विभिन्न शहर मे हमर पेंटिंग प्रदर्शनी लागि चुकल अछि। 100 सं अधिक कलाकार के ई कला सिखा चुकल छी।

    जहाँ तक पेंटिंग बेचबाक बात अछि त पूनम कहै छथि जे, हमरा लग पेंटिंग खरीदबाक लेल अधिकतर विदेशी लोक अबैत अछि। खास क अमेरिकी त अधूरा पेंटिंग तक खरीद लैत अछि। पूनम पारंपरिक विषय पर बनाओल पेंटिंग मे परंपरा के खास ध्यान रखै छथि। पूनम आब परंपरा सं हटि कय विषय पर सेहो खूब पेंटिंग बनबैत छथि आ खूब वाहवाही बटोरि रहल छथि।