मिथिला पेंटिंगसँ सजत बिहार विश्वविद्यालय

0
1423

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर :  मिथिला पेंटिंग अपन देश सहित दुनियाँ भरिमे अपन अद्भुत चित्रकलाक लेल प्रसिद्ध भ’ रहल अछि। मिथिला पेंटिंग आब बिहार विश्वविद्यालयक देवाल पर सेहो अपन चटख रंग बिखेरैत नजरि आओत। फिलहाल विश्वविद्यालयकेँ प्रशासनिक भवन वला कैंपसमे भीतरक देवाल मिथिला पेंटिंगसँ सजाओल जायत। ई काज गणतंत्र दिवससँ दू दिन पहिने यानी 24 जनवरी धरि पूरा क’ लेल जायत। विश्वविद्यालय प्रशासन मिथिला पेंटिंग करय वाली एजेंसि सभमे सँ कोनो एकटाकेँ ई काज  सौंपी देत। एहि लेल टेंडर नोटिस जारी भ’ गेल अछि। सात जनवरी धरि कोटेशन आमंत्रित कएल गेल अछि। फेर ओकरा बाद एजेंसीक चयन होयत आ पेंटिंगक काज शुरू भ’ जायत। बाउंड्री वाल पर 1250 वर्गफीट एरियामे पहिने पेंटिंग कएल जाएत। फेर फीडबैक नीक भेटला पर कैंपसक आन-आन हिस्सामे सेहो इ प्रयोग होयत। पहिने भितरक देवाल आ बादमे बाहरी परिसर मिथिला पेंटिंगसँ सुसज्जित होयत। विभिन्न तरहक थीम पर पेंटिंग बनाओल जायत। एहन पेंटिंग बनाओल जायत जे आगंतुक लोकनिक ध्यान अपना तरफ खिंचत। पेटिंगक थीम स्वच्छता आ सुंदर वातावरणक आभास कराओत। एहि पेंटिंग काज लेल दक्ष कलाकारक टीम लगाओल जायत।

कम्युनिटी कॉलेजसँ भ’ चुकल अछि शुरुआत

एलएस कॉलेज अपन कैंपसमे चलय वला कम्युनिटी कॉलेजसँ मिथिला पेंटिंगक शुरुआत क’ नजीर पेश केलक अछि। कॉलेजक देवाल आकर्षक रंग-रूपमे सजाओल गेल अछि। एकर देवाल आ खंभाकेँ मिथिला पेंटिंग्ससँ सजेबाक काज अखनि एनसीसीक महिला कैडेट्स क’ रहलिह अछि। 16 दिसंबरकेँ एहि बात पर चर्चा भेल आ एनसीसीक अफसर लोकनि हामी भरी देलनि। जकरा बाद इ सोच जमीन पर उतारि मिथिला पेंटिंगक रूपमे खूबसूरती बिखेरी रहल अछि। मात्र दू-तीन दिनक प्रयाससँ कम्युनिटी कॉलेज कैंपसक रंगत निखरी गेल अछि। फिलहाल, बरामदा आ खंभा पर चित्रकारी उकेरल जा सकल अछि। प्राचार्य प्रो. ओमप्रकाश रायकेँ कहब छनि जे पहिने कम्युनिटी कॉलेज कैंपसक भीतर-बाहर चित्रकारी होयत। एहिक बाद एल.एस कॉलेज खेल मैदानक बाउंड्री पर सेहो मिथिला पेंटिंगक छटा देखबाक भेटत।

रजिस्ट्रार कएलनि पहल

फरवरी मासमे होई वला दीक्षांत समारोह त’ एल.एस कॉलेज मैदानमे होयत। जाहिमे राज्यपाल सह कुलाधिपति लालजी टंडन शिरकत करताह, मुदा ओहिसँ पहिने आनन-फाननमे प्रशासनिक भवनक देवालकेँ नव लुक देल जा रहल अछि। एहिकेँ पाँछा अधिकारी लोकनिकेँ कहब छनि जे सामने गणतंत्र दिवस अछि आ रजिस्ट्रार चूंकि फौजसँ आयल छथि आ गणतंत्र दिवस समारोहकेँ यादगार बनेबाक लेल कैंपसक खूबसूरती पर ध्यान द’ रहल छथि। बीआरएबीयू रजिस्ट्रार अजय कुमार राय बतौलनि जे फीडबैक नीक आबि रहल अछि। एहि कारण आब इ निर्णय लेल गेल अछि जे कैंपसक अन्य हिस्सा आ आनो विभागमे इ प्रयोग कएल जायत। आब ओ समय नै छैक जे मिथिला पेंटिंग बनवई वला कलाकार सभक आर्थिक स्थिति कमजोर रहैत छल। मिथिला पेंटिंग आब स्व-रोजगारक दिशामे एकटा निस्सन डेग साबित भ’ रहल अछि जाहि सं एहि विधासँ जुड़ल लोक सभक आर्थिक स्थिति सुधरि रहल अछि।