मधुबनी मे 83 सालक वृद्ध के गाछ सं बान्हि कय पिटलक

    0
    323

    मधुबनी, मिथिला मिरर: गामक बदमास सब 83 सालक वृद्ध मिश्री साहु के गाछ सं बान्हि कय पिटलक अछि। पिटाई के दौरान बृद्ध के मैला पियेबाक कोशिश सेहो कायल गेल। बाद मे किछु स्थानीय लोकक हस्तक्षेप स वृद्धक जान बचल। घटना मधुबनी के खिरहर थाना क्षेत्रक बालाराही गामक अछि।

    वृद्धक अनुसार गामक पंचा मंडल, डोमु मंडल, राजकुमार मंडल सहित बहुतो लोक बृद्ध के बाजार सं पकड़ि कय घसीटैत एकटा गाछ मे बान्हि कय  एक घंटा धरि पीटलक आ प्रताड़ित केलक। जहन बदमास वृद्ध के मैला पिएबाक कोशिश केलक त गामक लोक बुजुर्ग के बदमासक चंगुल स बचेलक।

    घटनाक संबंध मे वृद्ध मिश्री साहु खिरहर थाना मे एफआइआर दर्ज करौलक अछि। बेनीपट्टी एसडीपीओ निर्मला कुमारी घटना के शर्मनाक बतौलनि अछि। घटना के दू दिन बादो आरोपी पर कार्रवाई नहि भेल अछि।