कदाचारमुक्त परीक्षा’क लेल प्रशासन चौकस : मधुबनी जिलाधिकारी

    0
    270

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिला पदाधिकारी गिरिवर दयाल सिंह सोमदिन समाहरणालय सभाकक्ष मे आयोजित प्रेस वार्ता मे कहलनि जे, इंटरमीडिएट परीक्षा’क लय सब प्रशासनिक तैयारी अछि। ई परीक्षा दू पाली मे 14 सं 25 फरवरी धरि संचालित कायल जा रहल अछि। स्वच्छ वातावरण मे कदाचारमुक्त परीक्षाक लेल जिला प्रशासन ठोस व सख्त इंतजाम केलक अछि।

    ओ कहलनि जे, अहि परीक्षाक लेल जिला मे कुल 63 परीक्षा केन्द्र बनाओल गेल अछि। सदर अनुमंडल मे 40, फुलपरास अनुमंडल मे 7, बेनीपट्टी अनुमंडल मे 6 तथा झंझारपुर व जयनगर मे 5-5 परीक्षा गोट केन्द्र बनाओल गेल अछि। अहि परीक्षा केन्द्र मे कुल 50,930 परीक्षार्थी इंटरमीडिएट के परीक्षा मे शामिल होयत। अहि परीक्षार्थी मे कला संकाय के 27,716, विज्ञान संकाय के 15,678, कॉमर्स संकाय के 7,535 तथा वोकेशनल कोर्स के 01 परीक्षार्थी शामिल अछि।

    जिलाधिकारी कहलनि जे, कदाचारमुक्त परीक्षा संचालन हेतु प्रत्येक केन्द्र के प्रत्येक परीक्षार्थी’क सघन तलाशी वीडियो कैमराक निगरानी मे लेल जा रहल अछि। ताकि अगर कोनो परीक्षार्थी नकल करैत परीक्षा कक्ष मे पकड़ल जाइत अछि त प्रशासन के पता लागि सकय।