जिला कृषि पदाधिकारी लेलनि धान उपज केर जायजा

    0
    374

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा के जाले प्रखंड क्षेत्रक रतनपुर गाम मे बृहस्पति दिन दरभंगा सं पहुंचल जिला कृषि पदाधिकारी समीर कुमार स्थानीय कृषक राम प्रबोध ठाकुरक खेत मे पहुँचि कय धान कटनी के कार्रवाई एवं पच्चास मीटरक क्षेत्रफल के तैयार फसल के जोखलनि। जोखल गेल धन 19 किलो भेल।

    मौका पर जाले प्रखंड कृषि पदाधिकारी राम प्रवेश प्रसाद, पंचायत के कृषक सलाहकार सजर अली, ब्रहमपुर के कृषक सलाहकार मोती कुमार, खेत मालिक राम प्रबोध ठाकुर तथा अन्य मौजूद छलाह।