लालू यादव केलनि शहाबुद्दीनक समर्थन, कहलनि किछु गलत नहि बजलाह शहाबुद्दीन

    0
    520

    पटना, मिथिला मिरर: शहाबुद्दीन विवाद मे जेडीयू दिस सं आयोजित प्रेस कांफ्रेसक बाद आरजेडी सुप्रीमो लालू यादव बहुबली नेता शहाबुद्दीन के समर्थन मे उतरि गेलाह। बताओल जा रहल अछि जे, लालू यादव कहलनि जेल स रिहा हेबाक बाद जे बयान शहाबुद्दीन देलन्हि ओ एकदम ठीक अछि।

    लालू कहलनि जे, शहाबुद्दीन यदि हमरा अप्पन एकमात्र नेता मानैत छथि त अहि मे गलत कि अछि? ओ कहलनि जे हमरा हिसाब मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सेहो कोनो परेशानी नहि हेबाक चाही। ज्ञात हो कि शहाबुद्दीन नीतीश कुमार के परिस्थितिक मुख्यमंत्री कहने छल।