रेलवेक जमीन अतिक्रमण मुक्त नहि करय वला पर हैत कार्रवाई

    0
    276

    मधुबनी,मिथिला मिरर ब्यूरो चीफ-पारस ठाकुरः दरभंगा-जयनगर रेल खंड स्थित खजौली रेलवे स्टेशन सं दक्षिण ठाहर गांव स्थित मानव रहित रेलवे गुमटी संख्या 25 कें दुनू बगलमे लगातार बढि़ रहल अतिक्रमण सं इ गुमटी दुर्घटनका केंद्र बिन्दु बनि गेल अछि। एहि सप्ताह गरीब रथ एक्सप्रेस ट्रेन सं टकरा कऽ एकटा इंजीनियरक दर्दनाक निधनकें बाद रेलवे प्रशासनक निंद खूजल। वरीय रेल अधिकारीक आदेश पर रेल विभागक अधिकारी पीडब्लूआई पंकज सिंह राज आ सकरी कें एसएसई अनिल कुमार वर्मा इ अहि गुमटी पर पहुंच अतिक्रमणकारी कें हिदायत दैत पांच दिनक भीतर रेलवे कें जीमन पर सं अतिक्रमण खाली करवाक आदेश देलाह।
    संगहि अधिकारी लोकनि अहि बात पर जोर दैत कहला जे अगर पांच दिनक भीतर अहिठाम सं अतिक्रमण खाली नहि कराओल जायत त जतेक गोटे अहि जगह पर अतिक्रमण कय बैसल छथि हुनका पर कठोर सं कठोर कार्रवाई करवाक लेल रेलवे प्रशासन डेग उठाओत। रेलवे अधिकारी साफ शब्दमे कहला जे स्थानीय निवासी लेाकनिक अतिक्रमणक कारणें इ जगह एतेक उपयुक्त भय गेल अछि दुर्घटनाक दृष्टि सं। हालांकि दुर्घटनाक बाद गुमटीक कात मे रोपल केराक गाछ इत्यादि कें काटि रेलवे प्रशासन जगह कें साफ-सुथड़ा कय देलक अछि। संगहि घटनाक स्थल पर पहुंचल रेलवे कर्मचारी जगहक परीक्षण करैत अहिठाम मानव सहित रेलवे क्राॅसिंग करवाक बात कें एक बेर फेर सं दोहरौलनि।