चर्चित पत्रकार आ सम्पादक डॉ. ललित नारायण झाक पहिल पोथी ‘मैथिली पत्रकारिताक समेकित इतिहास’ शीघ्र

0
1

मिथिला मिरर, स्नेहा झा, पटना: चर्चित पत्रकार आ मिथिला मिररक सम्पादक डॉ. ललित नारायण झाक पहिल पोथी ‘मैथिली पत्रकारिताक समेकित इतिहास’ शीघ्र प्रकाशित होमय जा रहल अछि। ई पोथी हुनक शोध-प्रबंध ’’समकालीन मैथिली पत्रकारिताक दशा ओ दिशा’’सँ प्रेरित अछि। तथापि, पोथीमे शोध-प्रबन्धसँ इतर सेहो व्यापक स्तरपर अनेक महत्त्वपूर्ण तथ्य, सन्दर्भ आ ऐतिहासिक सामग्रीकेँ समेटल गेल अछि।
मैथिली पत्रकारिताक इतिहासपर आबि रहल एहि पोथीकेँ सम्भवतः पहिल एहन समेकित कृतिक रूपमे देखल जा सकैत अछि, जाहिमे पत्रकारिताक प्रमुख सभ विधा-प्रिंट मीडिया, इलेक्ट्रॉनिक मीडिया आ डिजिटल मीडिया-पर विस्तारपूर्वक चर्चा कयल गेल अछि। पोथीमे मैथिली पत्रकारिताक ऐतिहासिक यात्रा, विकासक्रम, संघर्ष, उपलब्धि आ समकालीन स्वरूपक संग-संग भविष्यक संभावनासभपर सेहो प्रकाश देल गेल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे डॉ. ललित नारायण झा मैथिली पत्रकारिता विषयपर पी-एच.डी. उपाधि प्राप्त कयनिहार मैथिली भाषाक पहिल व्यावसायिक पत्रकार छथि। एतबे नहि, मैथिली पत्रकारिताक एक सय एकैस वर्षक इतिहासमे संभवतः ओ पहिल एहन व्यावसायिक पत्रकार छथि, जे पत्रकारिताक विधिवत शिक्षा ग्रहणकऽ पत्रकारिताक तीनू प्रमुख विधा-प्रिंट, इलेक्ट्रॉनिक आ डिजिटल मीडिया मे सक्रिय रूपें काजकऽ चुकल छथि।
लगभग दू दशकसँ हिन्दी आ अंग्रेजी पत्रकारितामे सक्रिय डॉ. झा देशक विभिन्न निजी मीडिया हाउसक संग काजकऽ चुकल छथि। संगहि, भारत सरकारक सूचना एवं प्रसारण मंत्रालय अन्तर्गत ’’इलेक्ट्रॉनिक मीडिया मॉनिटरिंग सेंटर (ईएमएमसी)’’मे सेहो ओ लगभग एक दशकधरि अपन सेवादऽ चुकल छथि।
मैथिली पत्रकारितामे स्क्रीनपर सभसँ दीर्घकालधरि सक्रिय रहबाक अनुभवक संग डॉ. झा मैथिली पत्रकारिताकेँ वैश्विक स्तरपर पहुँचाबय लेल सेहो उल्लेखनीय प्रयास कयने छथि। मैथिली पत्रकारिताकेँ आधुनिक माध्यमसभसँ जोड़बाक हुनक प्रयास हुनका एकटा विशिष्ट पहिचान प्रदान कयने अछि।
डॉ. ललित नारायण झा 15 अगस्त 2013केँ राष्ट्रीय राजधानी दिल्लीसँ मैथिली भाषाक चर्चित मीडिया हाउस ’’मिथिला मिरर’’क स्थापना कयलनि। उल्लेखनीय अछि जे मिथिला मिरर मैथिली भाषाक एहन मीडिया मंचक रूपमे सामने आयल, जे क्रमशः प्रिंट, न्यूज पोर्टल आ डिजिटल टीवीक माध्यमसँ पाठक आ दर्शकसभ धरि अपन पहुँच स्थापित कयलक।
मूल रूपसँ बिहारक मिथिला क्षेत्रक मधुबनी जिलाक मैलाम ग्राम निवासी डॉ. झा कोलकातासँ पत्रकारिताक शिक्षा ग्रहणकऽ पत्रकारिता यात्राक शुरूआत कोलकातासँ राष्ट्रीय दैनिक ’मयम’सँ शुरू कयलनि। तकर बाद ओ रियल वॉच पत्रिका, छपते-छपते दैनिक, ताजा टीवी, सौभाग्य मिथिला टीवी, टीवी 24, खोज इंडिया, टाइम्स न्यूज, हर खबर सहित विभिन्न मीडिया संस्थान आ समाचार माध्यमसभमे कार्यकऽ चुकल छथि। भारत सरकारक संग सेहो हुनक सेवाक अवधि लगभग एक दशकक रहलनि अछि।
मैथिली पत्रकारितापर आबि रहल डॉ. ललित नारायण झाक ई पोथी पूर्वमे प्रकाशित पुस्तकसभसँ अनेक दृष्टिसँ भिन्न बताओल जा रहल अछि। एहि पोथीमे आरएनआई, पीआरजीआई सहित विभिन्न आधिकारिक आ तथ्यात्मक स्रोतसभसँ प्राप्त आँकड़ा आ सामग्रीकेँ समेटल गेल अछि। एकर अतिरिक्त, नेपालक मिथिला क्षेत्र अर्थात् नेपालीय मिथिलाक मैथिली पत्रकारितापर सेहो विस्तृत आ सम्यक विवेचन प्रस्तुत कयल गेल अछि।
पोथीमे भारत आ नेपाल-दुनू दिसक मैथिली पत्रकारिताक यात्रा, साहित्यिक पत्रकारितासँ समाचार पत्रकारिताधरि विकासक्रम, प्रिंट माध्यमक उत्थान-पतन, रेडियो आ टेलीविजनमे मैथिलीक प्रवेश तथा डिजिटल युगमे मैथिली पत्रकारिताक नव विस्तारक समेकित चित्र प्रस्तुत करबाक प्रयास कयल गेल अछि।
‘मैथिली पत्रकारिताक समेकित इतिहास’ मात्र मैथिली पत्रकारिताक अतीतक दस्तावेज मात्र नहि, अपितु एकर वर्तमान स्वरूप आ भविष्यक दिशाकेँ बुझबाक लेल सेहो एकटा महत्त्वपूर्ण संदर्भ-ग्रन्थ सिद्ध होयबाक अपेक्षा राखल जा रहल अछि।