राजद-जदयूक संग ‘लाइफ टाइम एग्रीमेंट’ नहि : अशोक चौधरी

    0
    251

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष सह शिक्षामंत्री अशोक चौधरी महागठबंधन पर बहुत पैघ बयान दैट कहलनि जे, हम राजद आ जदयूकें संग ‘लाइफ टाइम एग्रीमेंट’ नहि केने छी, सब ठामक परिस्थिति अलग-अलग होईत अछि। अहि बयानक बाद बिहार महागठबंधन पर फेर एक बेर संशयकें बादल मंडराए लागल अछि।

    बिहार कांग्रेस अध्यक्ष डॉ. अशोक चौधरी प्रदेश कमेटीके मीडिया विभागक पुनर्गठन केलनि। जाहिमे पुरान कमिटीकेँ पांच प्रवक्ताक छुट्टी कए देल गेल, जहन कि दू गोट नब लोककेँ प्रदेश कांग्रेसक प्रवक्ता बनाओल गेल अछि। प्रदेश अध्यक्ष मीडिया पैनलिस्टक सेहो पुनर्गठन केलनि। पार्टी प्रवक्ता एचके वर्मा पुनर्गठनकें जानकारी देलनि अछि।