एमसीडी चुनावक लेल कांग्रेस जारी केलक 140 उम्मीदवार पहिल सूची

    0
    255

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली नगर निगम चुनावकें मद्देनजरि शनिदिन कांग्रेस अप्पन 140 गोट उम्मीदवारक पहिल सूची जारी कए देलक अछि। शहरमे तीनु नगर निगममे कुल 272 वार्ड अछि। जाहिमे दक्षिण दिल्ली नगर निगम आ उत्तर दिल्ली नगर निगममे 104-104 वार्ड आ पूर्वी दिल्ली नगर निगममे 64 वार्ड अछि। कांग्रेस द्वारा शेष उम्मीदवारक नामक सूची शीघ्र घोषित कएल जाएत।

    दिल्ली प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष अजय माकन कहलनि जे, प्रत्याशिक चयन, प्रत्याशिक जीतक संभावना आ जमीनी स्तर पर पार्टी कार्यकर्ताकें विचारक आधार पर कएल गेल अछि। भाजपा आ आपकें दू टा वर्तमान पाषर्द हालहिमे कांग्रेसमे शामिल भेल छल। जकरा सेहो टिकट देल गेल अछि।

    प्रत्याशिक चयनमे मददि करबाक लेल आ कार्यकर्ताक शिकायतके समाधानक लेल पार्टी तीन सदस्यीय चयन समिति नियुक्त केलक अछि, जाहिमे आनंद शर्मा, रणदीप सुरजेवाला आ मानिक टैगोर शामिल अछि।