160 उम्मीदवारक पहिल सूची जारी केलक भाजपा

    0
    286

    दिल्ली, मिथिला मिरर: भारतीय जनता पार्टी निगम चुनावक लेल 160 गोट उम्मीदवारक पहिल सूची जारी कए देलक अछि। अहिमे पार्टी अपन घोषणाक अनुसार नब चेहराकें टिकट देलक अछि। भाजपा अपन सहयोगी शिरोमणी अकाली दलकें पांच आ लोक जनशक्ति पार्टीकें एक गोट सीट देलक अछि। हालांकि, ई दुनू पार्टी सेहो भाजपाकें चिह्न पर चुनाव लड़त।

    पार्टी अपन पहिल सूचीमे दक्षिणी निगमके 58, पूर्वी निगमके 35 आ उत्तरी निगमके 67 प्रत्याशिक नामक घोषणा केलक अछि। भाजपा प्रतापनगर, जीटीबी नगर, राजेन्द्र नगर, तिलक नगर आ कालका जी वार्ड सहयोगी पार्टी शिरोमणि अकाली दलक लेल छोड़लक अछि। भाजपा अपन सूचीमे दू गोट मुस्लिम प्रत्याशिकें सेहो जगह देलक अछि। जाकिर नगर सं पार्टी कुंवर रफी आ चौहान बांगर सं सरताज अहमदकें टिकट देल गेल।

    दोसर दिस पार्टी द्वारा पहिल सूची जारी करबाक बाद वर्तमान पार्षद बगावती तेवरमे आबि गेल अछि। नवादा सं वर्तमान पार्षद कृष्ण गहलोत अपन फेसबुक पेज पर अहि स्थितिक विषयमे लोक सं राय मंगलनि अछि। अपन पोस्ट में ओ लिखलनि जे, आठ महिना पहिने नवादा वार्ड सं चुनल गेल छलहुँ, एखन बहुत काज करबाक छल मुदा पार्टी टिकट नहि दए रहल अछि, की करी ?

    ओतहि, पार्टी द्वारा घोषित किछु प्रत्याशिकें लए अहि तरहक आरोप लगाओल जा रहल अछि जे, ओ वर्तमान पार्षदक रिश्तेदार अछि। सूत्रक अनुसार सब वर्तमान पार्षद आ पार्षदक रिश्तेदारकें टिकट नहि देबाक बात कहल गेल छल, मुदा सूचीमे बहुत एहेन नाम अछि जे पार्षदक रिश्तेदार अछि।