मौलानाक विरोध मे सड़क जाम, गिरफ्तारीक मांग

    0
    248

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: कमरा मोहल्ला शिया जामा मस्जिदक इमाम मौलाना सैयद काजिम शबीबक गिरफ्तारीक मांग के लय सिपाहपुरक समीप लोक सब सड़क जाम कय नारेबाजी केलक। अहि दौरान ‘मौलाना काजिम शबीब शिया-सुन्नी’क दुश्मन अछि, मौलाना मुसलमानक दुश्मन अछि, मौलाना मस्जिद पर कब्जा करब बंद कर’ आदि के नारा लगाओल गेल।

    सड़क जाम का नेतृत्व जनता दल यू’क राष्ट्रीय परिषद सदस्य अली अब्बास आबदी केलनि। ओ कहलनि जे, मौलाना पूरा शहरक लोक पर जुल्म कय रहल अछि। मौलाना पर 15 प्राथमिकी विभिन्न थाना मे दर्ज अछि, मुदा पुलिस गिरफ्तार नहि कय रहल अछि। मौलाना कानूनक लगातार उल्लंघन कय रहल अछि।

    ओ कहलनि जे, मौलाना जकरा घर मे चाहे ताला लगा दैत अछि। अहियापुर थानाक पुलिस लोक के समझा कय जाम हटौलक। ओतहि मौलाना एवं समर्थक के खिलाफ अहियापुर थाना में प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल। जामक दौरान घंटो परिचालन बाधित रहल।