बजट मे रेल परियोजना के अनदेखी सं आक्रोशित द्वारा जराओल गेल रेल मंत्रीक पुतला

    0
    301

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: केंद्रीय बजट के विरोध मे बृहस्पति दिन जुलूस निकालि रेल मंत्री व स्थानीय सांसद के माले व आइसा कार्यकर्ता सब पुतला जरौलक। चिरप्रतिक्षित मांगक दरकिनार कायल गेला सं कार्यकर्ता मे आक्रोश व्याप्त अछि।

    लोक सब पूर्व प्रस्तावित एवं सर्वेक्षित कर्पूरीग्राम-ताजपुर-पातेपुर-महुआ-हाजीपुर, केबल स्थान मोरवा-कर्पूरीग्राम रेल लाईन योजना, पैघ दूरीक ट्रेन, मुक्तापुर, भोला टॉकीज गुमटी पर आरओबी, रेल अस्पताल के केंद्रीय अस्पतालक दर्जा देब समेत अन्य मांग पर विचार नहि करबा पर आक्रोशित छल। कार्यकर्ता मे स्थानीय सांसद के प्रति सेहो आक्रोश छल। कार्यकर्ता के कहब छल जे, मांग के शामिल करेबा मे समस्तीपुर सांसद रामचंद्र पासवान एवं उजियारपुर सांसद नित्यानंद राय द्वारा कोनो प्रयास नहि कायल गेल।

    भाकपा मालेक कार्यकर्ता ताजपुर बाजार के मोतीपुर पुल टेंपो स्टैंड स झंडा-बैनर, नारा लिखल तख्ति एवं रेलमंत्री सुरेश प्रभु, समस्तीपुर सांसद रामचंद्र पासवान, उजियारपुर सांसद नित्यानंद रायक पुतला हाथ मे लय विरोध मार्च निकाललक।