मदरसा’क बच्चा के बीच इनामी प्रतियोगिताक आयोजन

    0
    256

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: जिला मुख्यालय के दरगाहा स्थित गोसुल बड़ा दारूल उलूम गरीब नवाज मजार पाक मदरसा के बच्चाक बीच शिक्षाक प्रति जागरूकता पैदा करबाक लेल इनामी प्रतियोगिताक आयोजन कायल गेल। जाहि मे विजेता प्रतिभागि के किताब, कलम, नकद आदि दय पुरस्कृत कायल गेल। अहि के संचालन गामक लोक द्वारा कायल गेल। जहन कि अहि कार्यक्रम के मुख्य अतिथिक रूप मे मधेपुरा स हजरते अल्लामा मौलाना बदरूज्जमा सिद्दीकी उपस्थित छलाह।

    इस अवसर पर सब सं पहिने मदरसाक बच्चाक बीच वाद-विवाद प्रतियोगिता, गणित प्रतियोगिता आदिक आयोजन कायल गेल। अहि मे सफल सब बच्चा यासमीन खातून, जहाना खातून, अनसरी खातून, जूली खातून, अफसाना खातून, फातिमा खातून, मजी खातून, सनवर, अतहर रजा, मिनहाज, गुजाम, मोजककीर के मुख्य अतिथि हजरते अल्लामा मौलाना बदरूज्जमा सिद्दीकी पुरस्कृत केलनि। अहि अवसर पर सिद्दिकी कहलनि जे, बिना पढ़ल आब कोनो काज नीक सं नहि होइत अछि।