इंटरक परीक्षा लेल ऑनलाइन फार्म भरनाई शुरू

    0
    334

    पटना, मिथिला मिरर: अहि बेर बिहार बोर्डक परीक्षा मे बदलाव कायल गेल अछि। बृहस्पति दिन सं इंटर के आॅनलाइन फाॅर्म भरब शुरू भय जायत। ई फाॅर्म वैह विद्यार्थी भरि सकैत अछि, जकर सेंटअप परीक्षाक रिजल्ट बिहार बोर्ड लग अछि। सेंटअप परीक्षाक रिजल्ट के स्कूल आ कॉलेज के पठा देल गेल अछि। जकर नाम अहि सूची मे होयत, ओ परीक्षाक फाॅर्म भरि सकत। इंटर परीक्षाक फाॅर्म भरबाक लेल कॉलेज आ स्कूल प्राचार्यक यूजर आइडी आ पासवर्ड देल गेल अछि।

    बोर्ड अध्यक्ष आनंद किशोर के अनुसार परीक्षा फाॅर्म भरबाक सब तैयारी भय चुकल अछि। यूजर आइडी आ पासवर्ड बिहार बोर्डक वेबसाइट पर उपलब्ध अछि। नव विषय कोड दू दिन मे लागू भय जायत। परीक्षार्थी अप्पन विषय कोडक जांच नीक स कय लथि। अहि बेर नव विषय कोड लागू कायल जायत। बोर्ड अहि बातक जानकारी जल्दिये देत। ओहि कोड के विषयक संग भरय के अछि।

    इंटरक परीक्षार्थी के ऑनलाइन परीक्षा फाॅर्म भरबाक लेल समितिक वेबसाइट पर लाॅगइन करय पड़त। अहि बेर नियमित विद्यार्थिक लेल परीक्षा शुल्क नौ सौ रुपैया राखल गेल अछि। ओतहि, व्यावसायिक पाठ्यक्रमक लेल 1250 रुपैया फ़ीस अछि। जहन कि फेल आ कंपार्टमेंटल परीक्षार्थीक 613 रुपैया देबय पड़त। विशेष जानकारीक लेल हेल्पलाइन नंबर 0612-2222513, 2232074, 2232227, 2232239, 2232257, 7835049877, 7835049878 तथा 7835049879 पर संपर्क कायल जा सकैत अछि।