पूर्व सरपंचक घर डकैती, हथियारक बल पर लूटलक 12 लाखक संपत्ति

    0
    293

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर मे एकटा पूर्व सरपंचक घर मे डकैतीक मामला प्रकाश मे आयल अछि। घटना कांटी थानाक लसकरीपुर पंचायतक अछि। लसकरीपुरक पूर्व सरपंच सुनीता देवीक घर मे घुसि क डकैत हथियारक बल पर करीब 12 लाखक संपत्ति लूटि लेलक। करीब एक दर्जनक संख्या मे पहुंचल डकैत बांसक सीढ़ीक सहारे छत पर चढ़ि गेल आ बन्दुक के बल पर परिवारक सब सदस्य के एकटा कमरा मे बंधक बना लेलक।

    अहि के बाद घर मे राखल सब आलमीरा आ बक्सा तोड़िकय नगद आ  जेवर लूटि लेलक। एसएसपी विवेक कुमार कहलनि जे, घटनाक छानबीनक लेल डीएसपी पश्चिमी के नेतृत्व मे एकटा टीमक गठन कय कार्रवाई कायल जा रहल अछि।