मिथिला मिरर, पटना बिहारक राजनीति मे ऐतिहासिक मोड़ आबि गेल अछि। भारतीय जनता पार्टीक वरिष्ठ नेता सम्राट चौधरी मुख्यमंत्री पदक शपथ ग्रहण कयलनि। एहि संग ओ बिहार मे भाजपाक पहिल मुख्यमंत्री बनि गेलाह, जे राज्यक राजनीतिक परिदृश्य लेल महत्वपूर्ण परिवर्तन मानल जा रहल अछि। शपथ ग्रहण समारोह पटना स्थित राजभवन मे आयोजित कएल गेल, जतए राज्यपाल हुनका पद आ गोपनीयताक शपथ दिएलनि। समारोह मे कतेको वरिष्ठ नेता, जनप्रतिनिधि, प्रशासनिक अधिकारी आ गणमान्य व्यक्ति उपस्थित रहलथि। एहि अवसर पर राज्य मे राजनीतिक उत्साह देखल गेल। सम्राट चौधरी, जे बिहार भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष सेहो रहि चुकल छथि, संगठनात्मक स्तर पर अपन मजबूत पकड़ आ नेतृत्व क्षमता लेल जानल जाइत छथि। हुनकर मुख्यमंत्री बननाइ भाजपा लेल बिहार मे एकटा पैघ उपलब्धि मानल जा रहल अछि, खासक’ ओहि समय मे जखन राज्यक राजनीति गठबंधन आ बदलावक दौर सँ गुजरि रहल अछि।
राजनीतिक विश्लेषक मानैत छथि जे सम्राट चौधरीक नेतृत्व मे बिहार मे विकास, आधारभूत संरचना, रोजगार सृजन आ प्रशासनिक सुधार पर विशेष जोर देल जा सकैत अछि। भाजपा नेतृत्व सेहो स्पष्ट संकेत देने अछि जे राज्य मे विकासक गति तेज कएल जायत। नव मुख्यमंत्री अपन प्रथम संबोधन मे कहलनि जे सरकारक प्रमुख लक्ष्य ‘सबका साथ, सबका विकास’ के आधार पर राज्य के आगू बढ़ेनाइ रहत। ओ शिक्षा, स्वास्थ्य, सड़क आ रोजगार जकाँ क्षेत्र मे ठोस पहल करबाक आश्वासन देलनि।
एहि शपथ ग्रहण संग बिहार मे राजनीतिक समीकरण बदलि गेल अछि आ आबयबला दिन मे एकर प्रभाव राज्यक शासन आ नीति निर्माण पर स्पष्ट रूप सँ देखल जायत।





