बिहार पुलिसक बर्बर चेहरा भेल बेनकाब, पोस्टमार्टम रिपोर्टसँ भेल खुलासा

0
2415

सीतामढ़ी, मिथिला मिरर : अपराध अछि जे बिहारसँ कम हेबाक नाम नै ल’ रहल अछि। दिनोदिन अपराधमे वृद्धि भ’ रहल अछि आ अपराधी नव-नव तरीका अपना विभिन्न तरहक अपराधकेँ अंजाम द’ रहल अछि, जे चिंताक विषय अछि। बिहारक सीतामढ़ीमे पुलिस हिरासतमे दुटा युवककेँ मौतक मामलामे पैघ खुलासा भेल अछि। मृतकक पोस्‍टमॉर्टम रिपोर्टसँ मृत्युक कारण पुलिस टॉर्चर साबित भ’ रहल अछि। शुक्रदिन मेडिकल बोर्ड ई रिपोर्ट सीतामढ़ीक जिलाधिकारीकेँ सौपी देलक अछि। जनतब होयत जे 20 फरवरीकेँ सीतामढ़ी-मुजफ्फरपुर हाईवे पर प्रेमनगर लग लुटेरा सभ मुजफ्फरपुर निवासी एकटा युवककेँ गोली मारी हत्या केलाक बाद ओकर मोटरसाइकिल लूटी लेने छल। एहि मामलामे मंगलदिन राइत सीतामढ़ीक डुमरा पुलिस पूर्वी चंपारण जिलाक चकिया थाना क्षेत्रक रमडीहा गामसँ गुफरान आ तस्लीमकेँ  गिरफ्तार केने छल। पूछताछक दौरान पुलिस दुनूकेँ बहुत मारने छल। हालत बिगड़ला पर बुधदिन साँझमे दुनूकेँ सदर अस्पतालमे भर्ती करेलक, जतय ओकर मृत्यु भ’ गेल छल। दुनूक मृत्युक कारण परिजन सभ पुलिस टॉर्चर बतबैत छलाह।
परिजन पुलिस पर हत्याक आरोप लगबैत कार्रवाईक माँग पर अड़ल छल। ओ लहास लेबासँ इनकार क’ सदर अस्पताल परिसरमें धरना पर बैस गेल छलथि। एहि बीच आइजी नैयर हसनै खान बुधदिन देर राइत डुमरा थानाध्यक्ष समेत आठ पुलिसकर्मिकेँ निलंबित क’ देलनि। डीआइजी रवींद्र कुमार राइत डेढ़ बजे सदर अस्पताल पहुँचल छलाह। परिजन सभके आश्वासन द’ शव सौंपने छलाह। पुलिस पोस्‍टमार्टम करा लाशकेँ परिवार वलाकेँ सौंपी देने छल। एकर बाद आक्रोशित लोक सभ लाशक संग पूर्वी चंपारणक चकियामे सड़क जाम क’ देलक। एहि बीच पुलिस लीपापोती करयकेँ भरपूर कोशिशमे लागल रहल। पुलिस हिरासतमे युवक संग ज्‍यादतीसँ इनकार करैत रहल। मुदा ई मामला तूल पकड़ी लेलक।

थानाध्‍यक्ष सहित आठ पुलिसकर्मी पर एफआइआर 
वृहस्पतिदिन डीआइजी रवींद्र कुमार अपने मामलाक जाँच कएलनि। ओहिकेँ बाद निलंबित डुमरा थानाध्यक्ष चंद्रभूषण कुमार सिंह समेत आठ पुलिसकर्मी पर प्राथमिकी दर्ज कएल गेल। एहि बीच सभ आरोपित फरार भ’ गेल अछि। चर्चा अछि जे आरोपित पुलिसकर्मीकेँ रून्नीसैदपुर थानामे हिरासतमे राखल गेल छल, जतयसँ ओ सभ भागी गेलाह। हालाँकि, डुमराक नव थानाध्यक्ष नवलेश कुमार आजाद आ रून्नीसैदपुर थानाध्यक्ष भूदेव दास एहि बातसँ इनकार क’ रहल छथि। शुक्रदिन दुनू मृतकक पोस्‍टमार्टम रिपोर्ट एहि मामला पर पड़ल सभ पर्दा हटा देलक। मेडिकल टीम जिलाधिकारीकेँ जे रिपोर्ट सौंपलक, ओकरा मुताबिक मृत्युक पहिने दुनू आरोपीकेँ बहुत यातना देल गेल छल।