गोपाल जी ठाकुरकें नेतृत्वमे हावीभौआर पहुँचल भाजपाक तेरह सदस्यीय जाँच दल

    0
    269
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: भाजपाक प्रदेश उपाध्यक्ष गोपाल जी ठाकुरकें नेतृत्वमे भाजपाक तेरह सदस्यीय जाँच दल मंगलदिन दहशतग्रस्त हावीभौआर गामक जायजा लेलक आ दर्जनो लोकक बयान कलम बद्ध करैत केंद्रीय गृहमंत्रीकेँ विस्तृत प्रतिवेदन पठेबाक निर्णय लेलक। ज्ञात हो कि गत शनिदिन उक्त गाममे नवाह संकीर्तन विसर्जन जुलूसक दौरान अहियापुरमे एक समुदाय द्वारा हमला करबा आ दोसर दिन पुलिस फायरिंग, अश्रु गैसक गोला आ लाठीचार्जक संग-संग एकतीस लोकक गिरफ्तारीके बाद गाममे भय बनल अछि।
     
    जाँच दल दूनू पक्षक बयान दर्ज करैत घटनाक लेल पुलिस प्रसाशनकें जिम्मेदार ठहरौलक अछि। नगर विधायक संजय सरावगी कहलनि जे, सरकार तुष्टीकरणक राजनिति कय रहल अछि। पुलिस प्रसाशन सरकारक इसारा पर एक पक्षीय दमनात्मक कारवाई केलक अछि। भाजपा अहिकेँ लेल सङक सं सदन तक लङत।
     
    ओ कहलनि जे, घटनाक मुख्य सूत्रधार विधायक प्रतिनिधि अब्दुल कुद्दुसकें गिरफ्तार नहि कएल जाएत त भाजपा कार्यकर्ता सङक पर उतरि कए आंदोलन करात। जेलमे बन्द ग्रामीण सं भेंटकेँ बाद जाँच दल कहलक जे, हावीभौआरमे पुलिस जे तांडव केलक अछि ओ मानवताकें शर्मसार करय वला अछि। जाहि तरहे निर्दोश महिला, नवालिग आ महादलितकें पीटल गेल ओ निर्ममताक हद पार करैत अछि।
     
    जाँच दल पुलिस अधीक्षक एवं डी एस पीक निलंबनके संग घटनाक न्यायिक जाँच आ मुकदमा वापस लेबाक मांग सरकार सं केलक अछि। जाँच दलमे पूर्व विधायक अशोक यादव, मेयर गौङी पासवान, विधान परिषद् सदस्य सुनील कुमार सिंह, पूर्व एम एल सी मिश्रीलाल यादव, जिला प्रभारी राम कुमार झा, जिला मंत्री अशोक नायक, मुरारी मोहन झा, संजीव साह, प्रदीप ठाकुर, अवधेश झा सहित सैकड़ो लोक उपस्थिति छल।