जाले प्रखंडक गररी गाम मे स्वच्छता अभियानक शुरुआत

    0
    338

    दरभंगा, मिथिला मिरर: प्रधानमंत्रीक स्वक्षता भारत मिशन के तहत शुक्रदिन जाकिर हुसैन एजुकेशनल एंड सोशल वेलफेयर ट्रस्ट के द्वारा प्रखंड क्षेत्र के जाले पूर्वी पंचायत स्थित गररी गामक वार्ड न.8 मे स्वच्छता जागरूकता अभियान चलाओल गेल।

    अहि अभियानक अगुवाई संगठन के अध्यक्ष अभियंता आसिफ गौस स्वच्छता अभियान मे उपस्थित लोक के स्वच्छता सं होबय वला लाभ तथा गन्दगी जनित रोगक संदर्भ मे जानकारी दैत अहि अभियानक प्रति जागरूक केलनि।

    ओ कहलनि जे, स्वच्छता अभियान मे अधिक स अधिक लोक के जोड़नाई हमर संगठनक मुख्य उदेश्य अछि। मौका पर मुखिया आलिया परवीन, वली इमाम बेग चमचम, अतहर इमाम बेग, जौहर इमाम बेग, सफदर इमाम बेग, मास्टर बदरे आलम, मो.लुकमान परवेज उर्फ कैफी आदि शिरकत केलनि।