रामपट्टीकें प्रखंड आ थाना बनेबाक मांग तेज़

    0
    279

    मधुबनी, मिथिला मिरर: प्रशासनिक आ जनहितमे रामपट्टीकें प्रखंड व थाना बनेबाक मांग एक बेर फेर उठाओल जा रहल अछि। रामपट्टीकें प्रखंड बनेबाक घोषणा दशको पूर्व लालू प्रसाद सरकारमे कएल गेल छल। मुदा ई घोषणा एखन धरि धरातल पर नहि उतरल। जाहि कारने रामपट्टीक आसपासक बहुतो पंचायतक लोककेँ परेशानीक सामना करए पड़ैत अछि।

    राजनगर प्रखंडके पूर्व पंसस अध्यक्ष बैद्यनाथ सिंह बैजू कहलनि जे, राजनगर आ पंडौल प्रखंड सं 15 पंचायतकें अलग कय रामपट्टी नाम सं नवसृजित प्रखंड बनेबा संबंधी प्रस्ताव बहुतो बेर राजनगर पंचायत समिति, पंडौल पंचायत समिति आ जिला परिषदकें सामान्य बैसकमे पारित भेल अछि। बावजूद अहिकें एखन धरि रामपट्टी प्रखंडक निर्माण नहि भेल।

    ओ कहलनि जे, आब त बिहारक मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह सेहो जिला प्रशासनकें पत्र पठा कए विभिन्न प्रखंड, अंचल व थानाक प्रशासनिक सीमामे समानता अनबाक लेल वर्तमान सीमामे सीमा संशोधनक प्रस्ताव प्रमंडलीय आयुक्तके माध्यम सं सामान्य प्रशासन विभागकें पठेबाक निर्देश जारी केलनि अछि।