मिथिला मिरर आ नीरा फाउंडेशन द्वारा पिपराघाट मे मनाओल गेल भव्य दीपोत्सव

0
209

मिथिला मिरर-स्नेहा झाः मधुबनी जिलाक बाबूबरही प्रखंड अंतर्गत पिपराघाट स्थित कमला, बलान आ सोनी नदीक त्रिवेणी संगम तट पर धनतेसर दिन भव्य दीपोत्सव सह कमला आरतीक आयोजन कयल गेल। एहि अवसर पर 11001 दीप जरा दीपोत्सवक संगहि वैदिक रिति-रिवाज सँ भव्य कमला आरतीक सेहो आयोजन भेल। एहि दीपोत्सव मे भाग लेबाक लेल हजारोक संख्या मे दूर-दूर सँ लोकसभ जुटल छलाह। दीप सँ लिखल गेल जय जानकी दीप प्रज्ज्वलनक बाद जाहि स्वरूप मे लोकक सोंझा आएल ओहि केँ बादक छटा देखिते बनैत छल।
कार्यक्रम शुभारंभ दीप प्रज्ज्वलित कऽ पद्मश्री बौआ देवी, पद्मश्री दुलारी देवी, मधुबनीक पुलिस अधीक्षक सुशील कुमार, मिथिला मिररक संपादक सह नीरा फाउंडेशनक संस्थापक ललित नारायण झा, जिला पार्षद रंधीर खन्ना आ समाजसेवी संतोष कुमार झा संयुक्त रूप सँ कयलनि। एहि पावन अवसर पर पहुँचल मधुबनीक पुलिस अधीक्षक सुशील कुमार कहलनि जे मिथिलाक गौरवपूर्ण इतिहास रहलैक अछि आ एकरा संग-संग पौराणिक आ सांस्कृतिक विरासत केँ सहेज कऽ रखबा मे मिथिलाक योगदान रहलैक अछि। हम गौरवान्वित छी जे हमरा मधुबनी सन सांस्कृतिक विरासत बला जिला मे काज करबाक अवसर भेटल अछि। पुलिस कप्तान कहलनि जे पिपराघाट जे वर्णन सुनलहुँ तकरा बाद एहि स्थानक वैभव केँ दुनियाक सोंझा रखबाक पूर्ण कोशिश रहत।
एहि अवसर पर बाबूबरहीक प्रखंड विकास पदाधिकारी, अंचलाधिकारी, स्थानीय मुखिया नंद कुमार यादव, जिला पारिषद सदस्य, राजनगर मुखिया संघक अध्यक्ष शेखर सुमन, रामपट्टीक मुखिया अरूण चौधरी, सिमरीक मुखिया संतोष पासवान, राजनगर सतघराक मुखिया सबिता चौधरी, मुखिया प्रतिनिध चंचल झा, अनिल मिश्र, संजय मिश्र, भाजपा नेता शंकर झा, जानल-मानल चिकित्सक डाॅ. जितेन्द्र ठाकुर, मिथिला स्टूडेंट यूनियनक संस्थापक अध्यक्ष अनूप मैथिल, अध्यक्ष आदित्य मोहन झा, सहित हजारोंक संख्या मे श्रद्धालु लोकनि उपस्थित रहलाह। कल्पवासक साधु-संत लोकनिक उत्साह सेहो कार्यक्रम केँ सफल बनेवा मे अह्लादकारी रहल जखन कि स्थानीय कार्यकर्ता मदन कर्ण, धनश्याम सहित कतेको अन्य लोकक उपस्थिति गौरवान्वित कयलक। प्रिंट आ इलेक्ट्राॅनिक मीडियाक दर्जनों पत्रकारक सभक जुटानी आओर अह्लादकारी छल।