86 बरखक बाद पूर्ण भेल एकीकृत मिथिलाक सपना, प्रधानमंत्री मोदी कएलनि कोसी रेल महासेतुक उद्घाटन

0
941

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे आगामी चुनाव केँ ल’ शिलान्यास आ उद्घाटनक काज जोर शोर सँ चलि रहल अछि। विधानसभा चुनाव सँ पहिने शुक्रदिन प्रधानमंत्री चारिम बेर बिहार मे उद्घाटन आ शिलान्यास कएलनि। आई 86 बरखक बाद एकीकृत मिथिलाक सपना साकार होइत देखना जा रहल अछि। प्रधानमंत्री शुक्रदिन कोसी रेल महासेतु केँ उद्घाटन कएलनि। एहि कार्यक्रम मे प्रधानमंत्री मोदी, रेल मंत्री पियूष गोयल, केंद्रीय गृहराज्‍य मंत्री नित्‍यानंद राय बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ उप मुख्यमंत्री सुशील मोदी सेहो उपस्थित छलाह।

करीब नौ दशक बाद दुनू मिथिला आब सड़क आ रेल सँ जुड़ी गेल। एहि रेल पुल केँ चालू भेलाक बाद मिथिला क्षेत्र मे आवाजाही मे कोनो तरहक दिक्कत नै होयत। प्रधानमंत्री एही पुलक अलावे 12टा आओर रेल प्रोजेक्ट केँ शिलान्यास आ उद्घाटन कएलनि संगे पांचटा आओर नव ट्रेन देबाक घोषणा कएलनि अछि।

एहि पुल केँ चालू भ’ गेला सँ दुनू मिथिला आब रेल नेटवर्क सँ जुड़ी गेल। एही पर रेल सेवा शुरू होइते निर्मली सँ सरायगढ़क दूरी मात्र 22 किलोमीटर रहि जायत जे पहिने बहुत बेसी छल। करीब 516 करोड़ टाका केँ लागत सँ बनल एहि महासेतुक आई उद्घाटन क’ जनता केँ समर्पित क’ देल गेल। बतादी जे 1934 केँ भूकंप आ बाढ़ी केँ कारण मिथिला दू भाग मे बंटी गेल छल। ई पुल केँ दोबारा बनेबाक लेल तत्कालीन अटलजीक सरकार 2003 मे पुनः स्वीकृति देने छलाह। आ जून 2003 मे इ पुल बनब शुरू भ’ गेल छल।

एकर उद्घाटनक संग निर्मली सँ सरायगढ़ जेबाक लेल दरभंगा-समस्तीपुर-खगडि़या-मानसी-सहरसा होइत 298 किमीक दूरी तय करबाक मजबूरी सेहो समाप्‍त भ’ जायत। एहीकेँ अलावे प्रधानमंत्री 12टा अन्‍य रेल परियोजनाक उद्घाटन सेहो कएलाह। जाहि मे किउल नदी पर एकटा रेल पुल, दूटा नव रेल लाइन, पाँचटा विद्युतीकरण सँ संबंधित परियोजना, एकटा इलेक्ट्रिक लोकोमोटिव शेड आ बाढ़-बख्तियारपुर मे तेसर रेल लाइन परियोजना शामिल छल।

प्रधानमंत्री सहरसा-असनपुर कुपहा रेल सेवा केँ सुपौल स्टेशन सँ हरी झंडी देखेलनि। ओहि केँ बाद हाजीपुर-वैशाली-सुगौली रेल लाइन, इस्लामपुर-तिलैया नवका रेल लाइन पर ट्रेनक संगे  इस्लामपुर-नटेसर केँ बीच रेलवे लाइनक विद्युतीकरण कार्य, मुजफ्फरपुर-सीतामढ़ी, समस्तीपुर-दरभंगा-जयनगर, समस्तीपुर-खगड़िया, कटिहार-न्यू जलपाईगुड़ी और भागलपुर-शिवनारायणपुर रेलखंडक विद्युतीकरण परियोजनाक उद्घाटन कएलनि। एही केँ अलावे बरौनी लोको शेड केँ सेहो शुभारंभ कएलनि।

एही अवसर पर एकबेर फेर प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी कहलनि जे आधुनिक बिहार केँ गढ़बा मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक बड़ पैघ भूमिका छनि। नव भारत, नव बिहार मे सभ किछु तेजी सँ भ’ रहल अछि। जाहि कारण बिहार एकटा नव गाथा लिखत। रेल मंत्री पीयूष गोयल कहलनि जे प्रधानमंत्री मोदी बिहारक चौमुखी विकास लेल चिंतित रहैत छथि। केंद्र आ राज्‍यक सरकार डबल इंजन लगा क’ विकास कएल जा रहल अछि।