दरभंगा मे बनत 750 सीटक एम्स, मिथिला क्षेत्रक लेल वरदान सिद्ध हैत दरभंगा एम्सः प्रधानमंत्री मोदी

0
975

नई दिल्ली, मिथिला मिररः प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी शुक्रदिन वीडियो काॅन्फ्रेंसिंगक माध्यम सऽ बिहार मे विभिन्न रेल परियोजनाक लोकापर्ण एवं उद्घाटन कएलनि। एतिहासिक कोसी महासेतु पर रेल लाइनक शुभारंभ करैत प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी कहलनि जे 1934 ई. मे एकटा आपदा मिथिला केँ दू भाग मे बांटि देने छल मुदा आइ 86 सालक बाद एकटा दोसर आपदा मे मिथिला केँ पुनः एक कएल जा गेल, जकर श्रेय पूर्व प्रधानमंत्री श्रद्धेय अटल बिहारी वाजपेयी आ तत्कालीन रेल मंत्री नीतीश कुमार केँ जाइत छनि। कोसी महासेतुक उद्घाटनक संग-संग प्रधानमंत्री समस्तीपुर, दरभंगा-जयनगर रेलखंड पर इलेक्ट्रीक लाइनक शुभारंभ कएलनि।
वक्तव्यक दरम्यान प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी कहलनि जे बिहारक दोसर एम्स दरभंगा मे बनत आ ओहि एम्सक निमार्ण सऽ मिथिला क्षेत्रक स्वास्थ्य समस्या मे चमत्कारिक सुधार देखबाक भेटत। प्रधानमंत्री कहलनि जे दरभंगा मे बनए बला एम्स मे 750 सीट आबंटित कएल गेल अछि जखन कि एहि मे 100 सीट एमबीबीएस ओ 60 गोट सीट नर्सिंगक लेल देल गेल अछि। 1264 करोड़क लागत सऽ बनए बला एम्सक निर्माण कार्य 4 सालक भीतर पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। नव बनि रहल एम्स मे 15 सऽ 20 गोट सुपर स्पेशलिटी विभाग बनेबाक स्वीकृति देल जा चुकल छैक।