अप्पन हक’क लेल सेविका-सहायिका करतीह आंदोलन

    0
    313

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर मे आंगनबाड़ी केंद्र संख्या 158 पर सेविका-सहायका संघक बैसक भेल, जाहि मे बिहार सरकार पर उपेक्षापूर्ण रवैया अपनेबाक संग-संग सेविका के प्रति दूरंगी नीति के विरूद्ध सर्वसम्मति स आंदोलनक निर्णय लेल गेल। पूनम शांतिक अध्यक्षता मे सर्वसम्मति स आगामी 8 एवं 9 फरवरी कय प्रखंड कार्यालय पर धरना प्रदर्शन तथा 27 फरवरी कय अनिश्चितकालीन हड़ताल मे शामिल हेबाक घोषणा कायल गेल। ओतहि 28 फरवरी कय जिला पदाधिकारीक समक्ष आहूत धरना प्रदर्शन मे बढ़ि-चढि कय हिस्सा लेबाक संकल्प लेल गेल।

    मौका पर मौजूद जिला परिषद सदस्य नीतू कुमारी सेविका के संग सरकारक रवैया पर विरोध प्रकट करैत कहलनि जे, सब विभाग मे लगातार मानदेयक बढ़ोतरी भय रहल अछि, मुदा सेविका-सहायिका दिस कोनो ध्यान नहि देल जा रहल अछि। बैसक के संघक नगर अध्यक्ष वंदना चौधरी, पार्वती देवी, प्रखंड संयोजक रामनारायण मालाकार के अलावा पवन कुमार दास, अशोक पासवान, रीता देवी, रामप्रीत सिंह, सुशीला कुमारी, मनीषा कुमारी, अशोक महतो एवं मीनाक्षी कुमारी आदि सम्बोधित केलनि।

    मौका पर विद्या देवी, सुनैना कुमारी, मुन्नी कुमारी, ज्योतिकु मारी, नीलू कुमारी, विभा भारती, आरती देवी, शशिचन्द्र देवी समेत रोसड़ा, सिघिया एवं बिथान प्रखंडक सैकड़ो सेविका-सहायिका उपस्थित छल।