दोसर प्लेऑफमे गुजरातकें हरा फानइलमे पहुंचल हैदराबाद

    0
    302

    दिल्ली-मिथिला मिररः वीवा आईपीएल 2016 केर फाइनलमे आब 29 मई कऽ रॉयल चैलेंजर्स बेंगलुरूक मुकाबला सनराइजर्स हैदराबाद सं हैत। दिल्लीक फिरोजशाह कोटलाक मैदानमे संपन्न भेल दोसर प्लेऑफमे हैदराबादक टीम गुजरातकें 4 विकेट सं पराजित कय अपना आपकें फाइनल पहुंचेलक। पहिले बल्लेबाजी करैत गुजरात लॉयन्सक टीम 20 ओवरमे 7 विकेटक नुकशान पर 162 बनेलक। एरॉन फिंज कें 50, ब्रैंडम मैकुलम कें 32, कार्तिक 26 आ ब्राबो कें 20 रनक मदद सं गुजरात सम्मान जनकर स्कोर तक पहुंचल।
    163 रनक लक्ष्य कें पाछा करैत सनराइजर्स हैदराबादक शुरूआत सेहो नीक नहि रहल आ शिखर धवन शुरूआतेमे रन आउट भय गेलाह। ओहिकें बाद एककें बाद एक बल्लेवाज आउट होइत गेलाह। एक दिस हैदराबादक कप्तान डेबिड बॉर्नर रन बनावैत रहला आ 58 गेंदमे 93 रन बना कऽ इ मुकाबला जीत लेलाह। बॉर्नरकें साथ देलाह विपुल शर्मा जे 11 गेंद 27 रन बनेलाह, 49 रनक नावाद साझेदारी करैत दुनू खिलाड़ी बाहर गेलाह। डेबिड बॉर्नरकें हुनकर जबरदस्त खेलक लेल मैन ऑफ द मैच चुनल गेलनि।