समस्या के समाधानक लेल घनश्यामपुर प्रखंड मे पंचायत समितिक बैसक

    0
    280
    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत मंगलदिन ई० किसान भवन मे प्रखंडक समस्या आ मानव श्रृंखलाक लय कायल गेल पंचायत समितिक बैसक मे प्रखंड प्रमुख मुंद्रिका देवी, उपप्रमुख नसर नवाब, ज़िला परिषद दीपक, प्रखंड विकास पदाधिकारी अहमर अब्दाली, अंचल अधिकारी शम्भू के संग प्रखंडक सब पधादिकारी व जनप्रतिनिधि मौजूद छलाह। बैसक मे विभिन्न समस्या पर चर्चा कायल गेल।
    तुमौल पंचायतक मुखिया कहलनि जे विद्यालय मे केवल दू टा शिक्षक हेबाक कारण बच्चाक शिक्षा नहि भेट पाबि रहल अछि। गोढैल छर्रापट्टी मे उत्क्रमित मध्यविद्यालय भवनक राशि उठा लेबाक बादो भवन निर्माण कार्य नहि भय रहल अछि। ओतहि लगमा पंचायत उपस्वास्थ्य केंद्र पर डॉक्टर आ नर्स के नहि रहला पर चर्चा कायल गेल।
    गनोन पंचायतक मुखिया गनौन पंचायत मे लोक के बिजली नहि भेटबाक समस्याक चर्चा केलनि। बैसक मे अहि के अलावा बहुतो समस्या पर चर्चा कायल गेल। अंत मे प्रखंड विकास पदाधिकारी अहमर अब्दाली द्वारा अधिक सं अधिक संख्या मे 21 जनवरी कय होबय वला मानव श्रृंखला मे भाग लय प्रखंड के आगू बढेबाक बात कहल गेल।गई