राम जानकी विवाह महोत्सवकेँ उपलक्ष्यमे निकालल गेल कलश शोभायात्रा

0
900

दरभंगा, मिथिला मिरर : दरभंगा जिलाक अंतर्गत बिरौल अनुमंडल क्षेत्रक लदहो पंचायतमे चर्चित दू दिवसीय राम जानकी विवाह महोत्सवकेँ उपलक्ष्य पर 11 दिसम्बर मंगदिन 501 कुमारी कन्या द्वारा कलश शोभायात्रा निकालल गेल। शोभायात्रा श्रीश्री 108 लक्ष्मी नारायण भगवान मंदिर परिसरसँ निकलि क’ पूरा गाम भ्रमण करैत मंदिर परिसर पहुँचल। जय श्रीरामक जयकारासँ अगल-बगलक गाम गुंजयमान भ’ गेल।

जनतब दी जे सालोंसँ एहि गाममे राम जानकी विवाह महोत्सव मनाओल जाइत अछि। एहि क्षेत्रक लेल इ पूजा एतिहासिक अछि। मालूम हैत राम जानकी विवाह महोत्सव लगभग 125 सालसँ होइत आबि रहल छैक। जनकपुरक बाद एतय सभसँ पैघ भव्य समारोह होइत अछि। मंदिरमे मूर्ति स्थापना काल लगभग 505 वर्ष पूर्व बताओल जा रहल अछि। कहल जाइत अछि जे एहि स्थान पर मूर्ति मंदिर भग्नावशेष किसानकेँ हर जोतैत काल भेटल छलनि। एहि इलाकाक लोकसभ एहि मूर्तिकेँ भगवती जानकी समझी पूजय लगलाह आ ओहि दिनसँ एतय विवाह पंचमी कार्यक्रम मनाओल जा रहल अछि।