मधुबनी मे नोटबंदी’क प्रेशर मे बैंक कर्मचारी ऑफिस मे शराब पिबैत गिरफ्तार

    0
    258

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार के मधुबनी जिला मे बैंक मे शराब पिनाई चारि गोट कर्मचारी के महंगा पड़ि गेल। काजक प्रेशर के कम करबाक लेल बैंक के कर्मचारी पहिने त ऑफिस मे शराब पिलक बाद मे नशा मे हंगामा शुरू कय देलक।

    मामला मधुबनी के झंझारपुर स्थित यूनियन बैंकक अछि, जतय बुधदिन राति 9 बजे बैकक कैशियर समेत चारि गोट बैंक कर्मचारी के पुलिस गिरफ्तार केलक अछि। सब शराबक नशा मे बैंक परिसर मे उत्पात मचा रहल छल।

    बताओल जा रहल अछि जे, बैंक मे काज बन्द हेबाक बाद सब ऑफिस के खोलि क शराबक सेवन कय रहल छल आ अहि के बाद हंगामा शुरु कय देलक। बैंक कर्मी के हंगामा देखि क गश्तीक लेल निकलल झंझारपुर आरएस पुलिस टीम बैंकक रूख केलक। अहि दौरान पुलिस हंगामा मचा रहल चारु बैंक कर्मी के गिरफ्तार कय लेलक। गिरफ्तार बैंक कर्मी मे कैशियर, क्लर्क, एटीएम गार्ड, आ सफाईकर्मी शामिल अछि।