30 सितंबर सऽ पहिने दरभंगा हवाई अड्डा सऽ उड़ानक टिकट बुकिंग, नवंबरक पहिल हफ्ता सऽ पहिने उड़ान शुरू

0
1998

दरभंगा, मिथिला मिररः केन्द्रीय नागरिक उड्यन मंत्री हरदीप सिंह पुरी शनिदिन दरभंगा सैन्य सह यात्री हवाई अड्डाक दौरा कएलनि। मंत्री कहलनि जे दरभंगा हवाई अड्डा प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक स्वप्न परियोजना मे सऽ एक अछि। दरभंगा हवाई अड्डा पर काज चलि छल मुदा कोविड-19 ओ बरखाक कारणेँ काज कनेक रूकल छल मुदा आब जल्दीये समस्त काजक निपटारा भए जाएत। हरदीप सिंह पुरी कहलनि जे मिथिलाक महत्वपूर्ण पावनि छइठ सऽ पूर्व एतहि पर विमानक परिचालन शुरू कए देल जाएत।

30 सितंबर सऽ पहिने दरभंगा हवाई अड्डा सऽ उड़ानक टिकट बुकिंग, नवंबरक पहिल हफ्ता सऽ पहिने उड़ान शुरू

30 सितंबर सऽ पहिने दरभंगा हवाई अड्डा सऽ उड़ानक टिकट बुकिंग, नवंबरक पहिल हफ्ता सऽ पहिने उड़ान शुरू

Posted by Mithila Mirror News on Friday, September 11, 2020

हरदीप सिंह पुरी कहलनि जे 30 सितंबर सऽ पहिने दरभंगा हवाई अड्डा सऽ विमानक टिकट बुकिंग शुरू भए जाएत जखन कि उड़ान नवंबरक पहिल सप्ताह सऽ पहिने शुरू भए जाएत जाहि सऽ छठि पूजा मे एनिहार व्यक्ति केँ सुविधा होनि। ज्ञात हो जे दरभंगा अड्डा सऽ दिल्ली, मुंबई ओ बेंगलुरूक लेल स्पाइसजेट सीधा विमान सेवा शुरू कऽ रहल अछि। एहि अवसर पर केन्द्रीय मंत्री हरदीप सिंह पुरीक संग दरभंगाक सांसद गोपाल जी ठाकुर, मधुबनीक सांसद अशोक यादव, दरभंगा शहरी विधायक संजय सरावगी, जाले विधायक जीवेश मिश्र, विधान पार्षद अर्जुन सहनी सहित अन्य व्यक्ति ओ हवाई अड्डाक अधिकारी मौजूद छलाह।